9 महज बेरथके बात, बंसाबली, फुट लाबैबला आ धरम-नियमके झगरासबसे दुरे रह। कथिलेत यि काम नै लागैबला आ बेरथके बात चियै।
हमरसङे अगमबानी बोलैबला बरदान छै आ सब रहस आ सब किसिमके ग्यान बुझैले सक्बै आ पहार हटाबे सकैबला पुरा बिस्बास हमरसङे छै, महज हमरमे परेम नै छै त, हम किछो नै चियै।
आब हम मुरुतिके चरह्याल खाइबला चिजके बारेमे कहैचियौ। अपनासब जान्बे करैचियै कि, अकर बारेमे अपनासब सङे ग्यान छै। ग्यान लोकके घमन्डी बनाबैछै महज परेम लोकके उन्नती कराबैछै।
तु इस्वरहिन आ अरथहिन खिसा-पिहानी सबसे दुर रह। बरु परमेस्वरके पसिन परैबला जिबन जियैके कोसिस कर।
तिमोथी, यि बात तु ओइसबके बात-बातमे झगरा नै कर कैहके परमेस्वरके सामनेमे सम्झा। झगरासे ककरो भलाइ नै हैछै, बरु सुनैबला लोकसबके बिगारैछै।
महज तु परमेस्वरके अपमान करैबला आ काम नै काजके बातसे दुर रह, कथिलेत एहेन बात लोकसबके परमेस्वरसे दुर ल्याजाइछै।
महज मुरुख आ बेकारके तरक-बितरकसे दुरे रह, कथिलेत तोरा थाह छौ कि, एहेन बातसे लराइ-झगरा उतपन हैछै।
उसब यहुदीसबके बनोतरी बात-कथा नै सुनौक आ जे लोकसब सतके इन्कार करैछै, ओइसबके आग्या मान्बे नै करौक।
तोरासबके बिचमे लराइ आ झगरासब कोन बातसे आनैछौ? कि यि सब तोहर देहके भोगबिलासके अभिलासासे नै आबैछौ, जे तोरासबके भितरमे सङघर्स करैत रहैछौ?