कोनो लोक धरम-करममे नै महज पापी लोकसबके छमादैबला परमेस्वरमे बिस्बास करैछै त वह्या बिस्बासके कारन परमेस्वर ओकरा धरमी ठहराइछै। यि त परमेस्वरके दान चियै।
जौवा बच्चा जलमैसे पहिने आ उसब असल या खराब काम करैसे पहिने परमेस्वर एक गोरा चुनल्कै। अनङ परमेस्वरके चुनैबला काम ओकर काम-काज देखके नै महज आपन उदेस्य अनुसार हैछै से साफ-साफ देखाइछै।
परमेस्वरे हमरौरके बचेल्कै आ आपन पबितर बोलाबटसे बोलाइल्कै। हमरौरके काम देखके नै, महज उ आपन इक्छा आ अनुगरहसे करने छै, जे उ खिरिस्ट येसुमे जुगो-जुग पहिनेसे हमरासबके देने छेलै।
पहिने त तुसब परमेस्वरके जन नै छेल्ही, महज अखुन परमेस्वरके जन भेलचिही। पहिने तुसब परमेस्वरके दया नै पाबनेछेल्ही, महज अखुन तुसब परमेस्वरके दया पाबनेचिही।
वह्या पानी बप्तिस्माके एकटा रुप चियै, जे तोरासबके बचाबैछौ। यि देहके मैल उगारनाइ नै चियै, महज सुध बिबेकसे परमेस्वरमे करलगेल समरपनता चियै। यि मिरतुसे भेल येसु खिरिस्टके पुनरुथानसे तोरासबके बचाइछौ।