अतबे नै उ असल काम करलाके खातिर सब दिसनसे आदर पावलके हैकेचाही। उ आपन बेटा-बेटीके निक जखा लालन-पालन करने आ मेजमानसबके सेबा-सत्कार करने रहल हैकेचाही। उ परमेस्वरके पबितर जनसबके टाङ धुवाइने आ दुखमे परलहासबके मदत करने रहल हैकेचाही। अहिने औरो असल असल काम करने रहल हैकेचाही।
उसब परमेस्वरके जानैछै कैहके दाबी करैछै महज ओइसबके बेबहारसे उसब परमेस्वरके इन्कार करैछै से बात देखाइछै। उसब घिनलागैबला आ अटेरी हैछै आ कोनो असल काम करे लाएकके नै छै।
येसु खिरिस्ट अपनासबके सब पापसबसे मुक्तीदैले आ सब खराबिसबसे छुटकारा दैले आपन परान निछावर करल्कै। उ यि चाहल्कै कि हमसब असल काममे उत्सुक हेबी आ ओकर अपने निज लोक हेबेसकी।
यि बातसब साँचोके चियै। हम चाहैचियै कि अइ बातसबमे जोर दिय, ताकि जे परमेस्वरमे बिस्बास करने छै उसब असल काममे धियान देबे। कथिलेकी यि सब लोकसबके लेल असल आ फाइदाके बात चियै।