3 तहिनङे, बुढ जनिसबके परमेस्वरके आदर हैबला असल चालचलनके जिबन जियैके लेल सिखा। उसब बिना कारन ककरो निन्दा नै करे आ निसाबला चिजके बसमे नै परे बरु जे चिज असल छै उ औरो दोसर गोराके सिखाबे।
उसब सब तरहके खराबी आ दुस्टतासे भरलछै। उसब लोभ, घिरना, दोसरके डाह, हतिया, झगरा-झाटी आ छल करैछै, झुठ बोलैछै आ चुगली लगाइछै।
हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, ओकरा परमेस्वरके एकटा पबितर जन जखा परभुके नाममे स्वागत कर। तुसब सके जतहेक ओकर जरुरतमे सहायता कर, कथिलेत उ बहुतो लोकके आ हमरो सहायता करने छै।
खिरिस्टके पबितर जनसब भेलासे तोरासबके बिचमे बेबिचार, सब किसिमके असुध बात आ लोभ-लालचके नाम लैले नै सुहाबैछै।
तहिनङ कैरके ओकरासबके घरबालीसब सेहो आदर पाबैबाली हैके चही। उसब दोसरके बदनाम नै करैबली, आपनके बसमे राखैबाली आ सब बातसबमे बिस्बास योग्य हैलेपरतै।
तहिनङे मन्डलीमे सेबा करैबला डिकन निक चालचलनके लोक हैकेचाही। उसब साँच-साँच बोलैबला, दाख मध नै पियैबला आ पैसा-कौरीके लोभ-लालच नै करैबला हैकेचाही।
तु पानी मातरे नै पि, महज तोरा बेर-बेर पेटके बिमारी भेलाके कारन कन्हिक-कन्हिक दाखमध पियैत रह।
मन्डलीके बिसपसब परमेस्वरके कामके रेखदेख करैबला भेलाके कारन निरदोस रहे परतै। उ लोक जिदी, झटसे खिसियाइबला, मतबाली, लराइ-झगरा करैबला आ धनके लोभ करैबला नै हैकेचाही।
यि सब करलासे उसब जबान बेटी-पुतौहसबके आपन-आपन घरबला आ बेटा-बेटीके परेम करैके लेल सिखाबैले सक्तै।
तोरासबके बिस्बास करला अतहेक दिन भेलछौ कि तुसब सिक्छक भ्याजेबाके चाही, महज अखुनो तोरासबके कोइ कोइ परमेस्वरके बचनके छोट छोट बात सिखाबे परलछै। तोरासबके ठोस भोजन नै, बल्की बच्चा जखा दुधके आबसेक्ताछौ।
महज तोहर बिरोधमे हमरा यि कहैकेछै कि, तु इजबेल कहाइबली जनीके सहन करैचिही। जे आपनेके अगमबादिनी कहैछै आ आपन सिक्छासे हमर सेबकके भरमाके बेबिचार करैले आ मुरतिपुजामे चरहाल चिज खाइले सिखाबैछै।