जब कुछ लोकसब यहुदिया परदेससे एन्टिओखियामे आइबके बिस्बासीसबके अनङ सिक्छा देबे लाग्लै, “जाबेतक तुसब मोसाके नियम जखा खतना नै करबिही ताबे तक तुसब मुक्ती नै पाबबिही।”
अपनासब यि बात जानैचियै कि बेबस्था असल लोकके लेल नै बनलछै महज अकर बेबस्था भङ करैबलासबके लेल, अपराध करैबलासबके लेल, आग्यापालन नै करैबलाके लेल, भक्तीहिन आ पापीसबके लेल, अपबितर आ दुस्ट, अधरमी आ आपन बाप-महताइरसबके हतिया करैबलासबके लेल आ औरोसबके हतिया करैबलासबके लेल बनलछै।
हमर पिरिय धियापुतासब, यि अन्तिम घरी चियै। खिरिस्ट बिरोधी आबैबला छै से तुसब सुन्नेचिही। खिरिस्टके बहौत बिरोधीसब त आइबगेल छै। तहैसे अपनासब यि अन्तिम घरी चियै से बात जानैचियै।