8 अकर मतलब, अबराहमके सब सन्तान परमेस्वरके बेटा-बेटी नै चियै, महज परमेस्वर देबौ कैहके परतिग्या करल बेटा-बेटी मातरे अबराहमके सन्तान चियै।
‘हमसब अबराहमके सन्तान भेलासे बाँच्बै’ कैहके नै सोच। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, परमेस्वर यि पथलोसे अबराहमके खातिर धियापुता जलमा सकैछै।
उसब नै त लहुसे, नै त सारिरीक इक्छासे, नै लोकके कोनो इक्छासे महज उसब परमेस्वरसे आत्मिक रुपमे जल्मैछै।
परमेस्वरके आत्मा अनुसार चलैबलासब परमेस्वरके बेटा-बेटीसब चियै।
हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै कैहके पबितर आत्मा स्वयम आपनेसे अपनासबके आत्माके गबाही दैछै।
परमेस्वर आपन बेटा-बेटीसबके परकट करैबला दिनके सारा सिरिस्टी भारी उतसुकताके साथ असियालछै।
बिस्बास भेलाके कारन सारा बुढ अबस्थामे देहभारी हैबला सक्ती पाबल्कै, कथिलेकी उ परतिग्या पुरा करैबलाके बिस्बासयोग्य ठानल्कै।