31 महज इजराएलीसब बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरैले बहुत कोसिस करल्कै तैयो धरमी ठहरैले नै सक्लै।
तब यसैया अगमबक्ता साहसके साथ परमेस्वरके बचन कहल्कै, “जे हमरा खोज्बे नै करल्कै, उसब हमरा भेटाइल्कै, जे हमर बारेमे पुछबे नै करल्कै, ओइसबके अगा हम आपने परगट भेलियै।”
अकर मतलब सब इजराएलीसब परमेस्वरके अगा धरमी हैले चाहतो परभी नै भेलै महज परमेस्वरके छानल कुछ इजराएलीसब मातरे धरमी ठहरलै। औरो बाकी इजराएलीसब कठोर भेलै।
बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके नजरमे कोइयो नै धरमी ठहरतै कथिलेत लोकसब पापी छै से बात त बेबस्थे बताइछै।
ओहेन छै त कथिके लेल घमन्ड करबै? घमन्ड करैबला बाते नै चियै। बेबस्था पालन कैरके लोक धरमी नै हैछै, महज खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मातरे धरमी हैछै।
तब कि बेबस्था परमेस्वरके परतिग्याके बिरोधमे छै त? कदापी नै। यदि बेबस्था पालन कैरके लोकसब अनन्त जिबन पाबैले सक्तियै त, बेबस्थे लोकसबके परमेस्वरके अगा धरमी ठहराइतियै।
जोसके बिसयमे कहबै त मन्डलीके सताबैबला, धारमिकताके बिसयमे कहबै त बेबस्थामे भेल धारमिकतासे हम निस्खोट ठहरलचियै।