21 कुम्हार आपन सानल माटिसे आपन इक्छा अनुसार बरतन बनाइछै। कि माटिके एकटा ढेरिसे कोनोके एकदमसे काम लागैबला छनगर आ कोनोके साधारन काम लागैबला बनाबैके कुम्हारके आपन इक्छाके बात नै चियै से?
जौवा बच्चा जलमैसे पहिने आ उसब असल या खराब काम करैसे पहिने परमेस्वर एक गोरा चुनल्कै। अनङ परमेस्वरके चुनैबला काम ओकर काम-काज देखके नै महज आपन उदेस्य अनुसार हैछै से साफ-साफ देखाइछै।