“हमर पिता हमरा सबचिज सोइप देने छै। बेटा के चियै से पिता बाहेक कोइ नै चिन्हैछै, पिताके चियै से बेटा बाहेक कोइ नै चिन्हैछै महज बेटा जेकरासबके चिन्हादैछै उसब मातरे पिताके चिन्हैछै।
हबाके जने बहैले मन लागैछै तने बहैछै। हबाके अबाज त तुसब सुनैचिही, महज कतेसे आबैछै आ कते जाइछै से नै जानैचिही। ओहिनङ लोकसब आत्मासे कनङ जलम लैछै से बात तु नै जानैचिही।”
जौवा बच्चा जलमैसे पहिने आ उसब असल या खराब काम करैसे पहिने परमेस्वर एक गोरा चुनल्कै। अनङ परमेस्वरके चुनैबला काम ओकर काम-काज देखके नै महज आपन उदेस्य अनुसार हैछै से साफ-साफ देखाइछै।
हमरा ओते जाइले परतै कैहके परमेस्वरके देख्याल अनुसार हम ओते गेलियै। हम ओते रहैबखत मन्डलीके मुल अगुवा मानलसबके एकान्तमे भेटघाट करलियै आ जे सुसमाचार हम गैर-यहुदीसबके सुनाइने छेलियै से बात सहि छै कैहके ओकरासबके परस्ट बत्यादेलियै। नै त हमर करल आ कैररहल काम बेरथ हेतै।