1 हमर कहल बात सत छै, झुठ नै, कथिलेत हम खिरिस्टके लोक चियै। पबितर आत्माके अधिनमे रहल हमर बिबेक हम झुठ नै बोलैचियै कैहके साक्छी दैछै।
हम आपन पुरे मनसे परमेस्वरके बेटाके बारेमे सुसमाचार परचार कैरके सेबा करैचियै। हम आपन परथनामे तोरासबके सबदिन सम्झैचियौ से बातके साक्छी परमेस्वर आपने चियै।
ओकरासबके हिरदयमे बेबस्थाके बातसब लिखलछै कैहके ओकरासबके चालचलनसे देखाबैछै। कथिलेत ओकरासबके बिबेकसे कोनोबेर आपनेके दोख लगाबैछै त कोनोबेर ठिक छै कहैछै।
हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै कैहके पबितर आत्मा स्वयम आपनेसे अपनासबके आत्माके गबाही दैछै।
हमर परेम करल इजराएली लोकसबके लेल हमर हिरदयमे एकदम सोक आ पिरा छै।
अइ बातमे हमसब गर्भ करैचियै आ हमरासबके बिबेक सेहो साक्छी दैछै कि, अइ सन्सारमे बिसेस कैरके ओइसबसङे समबन्धमे हमसब इमान्दार आ परमेस्वरमे पबितर जिबन बितेलियै। यि हमसब सन्सारके ग्यानसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे पाबनेचियै।
हम परमेस्वरके साक्छी माइनके कहैचियौ कि, तोरासबके हपकाइले नै परे कैहके हम फेरसे कोरिन्थ सहरमे नै एलियै।
खिरिस्टके सत बात हमरमे रहैतक अखैया परदेसके कोइ नै हमर यि घमन्ड करैबला बातसबसे रोकैले सक्तै।
परभु येसुके परमेस्वर आ पिता, जे सबदिन धैनके चियै, उ जानैछै कि हम झुठ नै बाजैचियै।
भ्यासकैछै, हमसब यि सब आपन बचाबके लेल करैचियै कैहके आपन मनमे बिचार करैचिही। महज एहेन नै छै! पिरियसब, हमसब परमेस्वरके अगा खिरिस्टमे बोलैचियै। यि सबकाम तोरासबके बलगर बनाइके लेल करैचियौ।
हमर लिखल बात साँच चियै आ हम झुठ नै बोलैचियै से परमेस्वर जानैछै।
खिरिस्ट येसुवे जखा हम्हु तोरासबके परेम करलासे तोरासबके भेटैके एकदम इक्छा करनेचियै से परमेस्वर जानैछै।
तोरासबके थाहे छौ कि, हमसब तोरासबके चापलुसी नै करलियौ आ नै त कोनो चिज पेबै कैहके लोभ करलियौ। अकर साक्छी परमेस्वर स्वयम छै।
हमर कहैके उदेस्य त यि चियै कि बिस्बासीसब एक दोसरके परेम करे, जे परेम सुध हिरदय, असल बिबेक आ साँचोके बिस्बाससे मातरे आबैछै।
अहै बातके परचार करैके लेल परमेस्वर हमरा एकटा परचारक आ परेरित हैकेलेल चुनल्कै। गैर-यहुदीसब येसुमे बिस्बास करे तै उदेस्यसे ओइसबके सत बात सिखाइके लेल उ हमरा पठेल्कै। हम एकोरती बरह्या-चरह्याके नै कहैचियौ, हम त सत बात कहैचियौ।
हम तोरा परमेस्वर, खिरिस्ट येसु आ चुनलगेल स्वरगदुतके अगा करा आग्या द्याके यि कहैचियौ कि भेदभाव बिना यि नियमसब पालन कर। पक्छपात कैरके कोनो काम नै कर।