जै लोकमे परमेस्वरके आत्मा नै छै, उ लोक परमेस्वरके आत्माके बातसबके गरहन नै करैछै। कथिलेत एहैन बातसब ओकरलेल मुरुख बात हैछै। एहैन बात त परमेस्वरके आत्मासे मातरे बुझैले सकैछै।
कथिलेत पापी स्वभाबके ललसा पबितर आत्माके आ पबितर आत्माके ललसा पापी स्वभाबके बिरोध करैछै। यि दुनु एक दोसरके दुस्मन चियै आ तोरासबके करैले चाहल बात कहियो पुरा हैले नै देतौ।
खास कैरके, एहेन लोकसब जे असुध करैबला कामबासनामे डुबलरहैछै आ परमेस्वरके अधिकारके अपहेलना करैछै। ओहेन झुठा गुरुसब ढिठ आ घमन्डी हैछै आ स्वरगिय परानिसबके निन्दा करैले नै डराइछै।