24 कथिलेत अहै बरका आसाके लेल परमेस्वर अपनासबके बचेल्कै आ हमसब अहै आसामे बाचल चियै। आसा त अपनासबके नै देखल चिज पाबैले असिएनाइ चियै। लोक पहिने पाबलहा चिजके आसा नै करैछै।
आपन आसामे आनन्द कर, दुख-कस्टमे धिरज कर आ निरन्तर परथना करैतरह।
तुसब आसा दैबला परमेस्वरमे बिस्बास करनेचिही। ओह्या तोरासबके आनन्द आ सान्तीसे भैरदेबे। तहिनङे पबितर आत्माके सक्तिसे तोरासबके आसा बैढते जाय।
पबितर धरमसास्तरमे पहिने लिखल बातसब अपनासबके सिक्छा दैकेलेल छेलै। धरमसास्तरमे भेल बातसे अपनासबके सहैबला सक्ति आ हौसला दैछै ताकी अपनासबके आसा बनल रहे।
सन्तानके आसे नै भेल बखत “तोहर सन्तान अकासके तरा जतहेक बहुत हेतौ” कैहके परमेस्वरके देल परतिग्यामे अबराहम आसा आ बिस्बास करैले नै छोरने रहलै। तब पाछु बहुतो जातीके पुरखा बन्लै।
खिरिस्ट हमरासबके बिस्बास दुवारा परमेस्वरके अनुगरहमे लाबने छै। यह्या अनुगरहके हमसब अखुन अनुभव करैचियै आ परमेस्वरके महिमामे सहभागी हैके आसमे आनन्द मनाबैचियै।
कथिलेत सारा सिरिस्टीमे परमेस्वरके सराप परलै, महज एहन हेबेमे सिरिस्टीके कोनो इक्छा नै छेलै। सिरिस्टी आसा करैत रहे कैहके परमेस्वर अनङ करल्कै।
आब बिस्बास, आसा आ परेम यि तिन बात रहैछै, महज ओइमेसे सबसे बरका परेम चियै।
हमसब देखैबला चिजसबमे नै, महज नै देखैबला चिजसबमे मन लगाइचियै, कथिलेकी जे चिजसब देखैबला छै, उ कुछ समयके लेल मातरे रहैछै, महज जे चिजसब नै देखाइछै उ सबदिनके लेल रहैछै।
अपनासब आँखसे देखल बातके आधारमे नै, बल्की बिस्बासके आधारमे जियैचियै।
महज हमसब खिरिस्टमे बिस्बास करलासे पबितर आत्मा अपनासबके परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैबला आसाके बाट ताकैले लगाइतौ।
साँचोके तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर आ बलगर भ्याके सुनल सुसमाचारके आसासे पछा नै हट। एह्या सुसमाचार चियै, जे सन्सारके सब लोकसबके परचार करलगेलछै। हम पावल सेहो एह्या सुसमाचार सुनाइले परमेस्वरके सेबक भेलचियै।
यि महान रहसके बात गैर-यहुदीयो लोकसब बुझे कैहके परमेस्वरके योजना चियै। यि रहसके बात एह्या चियै, खिरिस्ट तोरासबमे बास करैछौ, जे गौरबके आसा चियौ।
तोरासबके खातिर स्वरगमे सुरक्छित साथ राखल आसाके कारन एहेन बिस्बास आ परेम करैचिही। यि असाके बिसयमे तुसब पहिनेसे सतके बचन अरथात सुसमाचार सुन्नेचिही।
महज अपनासब दिनके धियापुता भेलाके कारन, चौकल रह। अपनासब बिस्बास आ परेमके कबच लगा आ मुक्तीके आसाके टोपी पिन्हके होसियार रह।
आब अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट आ अपनासबके परमेस्वर पिता अपनासबके परेम करल्कै। उ आपन अनुगरहसे अनन्त उत्साह आ असल आस देल्कै।
जै कारन ओकर अनुगरहसे धरमी भ्याके अपनासब असा करल अनन्त जिबनके हकदार बैन सकी।
बिस्बासके मतलब आसा करल बातमे निसचयता आ नै देखल बातमे पक्का भरोसा करनाइ चियै।
ओकरेसे तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करलिही, जे ओकरा मरलसे जिबित करल्कै आ ओकरा महिमा देल्कै, तैल्याके तोरासबके आपन बिस्बास आ भरोसा परमेस्वरमे रहे।
परमेस्वर आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके पिताके महिमा हेबे। ओकर महान दयासे हमसब लया जलम पाबनेचियै। उ लया जलम येसु खिरिस्टके पुनरुथानसे हमसब पाबनेचियै। ओहैसे अपनासबके जिबित आसा यि चियै कि,
खिरिस्टमे एहेन आस करैबला, उ आपनोके खिरिस्टे जखा पबितर कैरके राखैछै।