21 सिरिस्टी आपनेसे बिनासके बन्धनसे एक दिन छुटकरा पाइबके परमेस्वरके सन्तानके महान छुटकरामे सहभागी हेतै।
परमेस्वर पहिनेसे आपन पबितर अगमबक्तासबके मुहसे बोलल्हा सब चिजके पुनरअस्थापन हैबला बखत नै आबेतक खिरिस्टके स्वरगमे रहेपरतै।
परमेस्वर आपन बेटा-बेटीसबके परकट करैबला दिनके सारा सिरिस्टी भारी उतसुकताके साथ असियालछै।
जकरा जकरा परमेस्वर पहिनेसे चुनल्कै, उ ओकरासबके बोलेबो करल्कै। जकरा बोलेल्कै ओकरासबके आपन नजरमे धरमी ठहरेल्कै। जकरा जकरा धरमी ठहरेल्कै, ओकरासबके आपन महिमामे सहभागी सेहो करेल्कै।
मरल लोकसब जीके उठतै त तहिनङ हेतै। जे देह बिनासमे गारैछै, उ नास नै हैबला देह ल्याके जिबित हैछै।
“औरो एकबेर” कहल बात यि देखाबैछै कि हिलाबैले सकैबला अरथात सिरिस्टी करल चिजसब हटाइतै, महज हिलाबैले नै सकैबला चिजसब अस्थिर रहतै।
महज हमसब त परमेस्वरके परतिग्या करल लया स्वरग आ लया पिरथिबीके लेल असियाल चियै। जते धरमी लोकसब मातरे रहैछै।
तकरबाद हम लया अकास आ लया पिरथिबी देखलियै, कथिलेत पहिन्का अकास आ पिरथिबी बितगेलै आ ओते कोनो समुन्दरो नै छेलै।