18 हमर बिचारमे अइ जिबनमे अपनासबके भोगल दुख अपनासबमे पछा परकट हैबला महिमासे तुलना करतै त, अखुनके दुख त ओइके अगा किछो नै चियै।
महज हम आपन जिबनके कोनो मोलके नै मानैचियै। अतबेहेक मातर चाहैचियै कि, परमेस्वर लोकसबके अनुगरह देने छै से सुसमाचार करैले हम अन्ततक दौरबरहा करी आ परभु येसुसे मिलल सेबाके काम पुरा करेसकी।
परमेस्वर आपन बेटा-बेटीसबके परकट करैबला दिनके सारा सिरिस्टी भारी उतसुकताके साथ असियालछै।
तोरासबके साँचोके जिबन त खिरिस्टे चियौ। जखैन उ परगट हेतौ तखैन तुसब ओकरे महिमामे परगट हेब्ही।
अहै खातिर अपनासबके सुनाएल सुसमाचारसे परमेस्वर तोरासबके बोलाइल्कौ। हमरासबके परभु येसु खिरिस्टके महिमा तोरोसबके मिले कैहके उ तोरासबके बोलाइनेछौ।
अकर सङे-सङे, अपनासब आसा करल बात पुरा हैबला दिनके रस्ता ताकैचियै, उ दिन अपनासबके महान परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्ट आपन महिमामे परकट हेतै।
जनिसब आपन पिरिय मरलहा लोकसबके पुनरुथान दुवारा फेनसे जिबित पाबल्कै। कतहेक लोक त मिरतुके बाद औरो असल जिबनके आसमे छुटकरा पाबैसे त बरु मिरतु सहैले रोजल्कै।
अहै खातिर तोरासबके आपन मन तैयार राख, आत्म संयमी बन आ येसु खिरिस्ट आबै बखत तुसब पाबैबला अनुगरहमे पुरा आसा राख।
बरु खिरिस्टके दुख-कस्टमे सहभागी हैले पाबलियै कैहके आनन्द मना। जब उ आपन महिमाके सङे फेनसे एतै, तै बखत तुसब औरो आनन्द मनाइले सके।
हम एकटा मन्डलीके एल्डर चियै आ खिरिस्टके भोगल दुख-कस्टके आपनेसे देख्ने चियै आ पछा आबैबला महिमामे सहभागी हेबै। ओहैसे हम तोरासबके बिचमे भेल एल्डरसबके बिन्ती करैचियौ।
पिरिय सङिसब, अखुन अपनासब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। महज पाछे कथी हेबै से अखुन तलिक जानकारी नै देनेछै। खिरिस्ट एलाकेबाद अपनोसब ओकरे जखा हेबै कथिलेत उ जैहनङ छै, अपनासब तैहनङे देख्बै।