15 कथिलेत तुसब फेनसे दास बनैले डरके आत्मा नै पाबनेचिही बरु तुसब पोसपुत हैले पबितर आत्मा पाबनेचिही, तैल्याके हमसब परमेस्वरके “हे हमर अब्बा, पिता!” कैहके पुकारैचिही।
अहैलेल अहाँके डरके खातिर हम त अहाँके देल सोनाके डलर जमिन खुइनके घोसाइरके राखनेछेलियै। लिय अहाँके सोनाके डलर।’
तब उ कहल्कै, “हे, पिता अहाँके लेल सब चिज सम्भब छै। यि दुखके बाटी हमरसे हटा दिय। महज हमर इक्छा करल जखा नै, अहाँके इक्छा करल जखा हेबे।”
येसु ओकरासबके कहल्कै, “तुसब परथना करैतखिना अनङ कह, ‘हे हमरासबके परमेस्वर पिता, अहाँके पबितर नामके आदर हेबे, अहाँके राज आबे,
“हे हमर पिता, अहाँ इक्छा करैचियै त, यि दुखके बाटी हमर लगसे हटा दिय। हमर इक्छा नै, महज अहैके इक्छा पुरा हेबे।”
येसुके देखके उ चिच्याके ओकर अगा ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “हे सबसे बरका परमेस्वरके बेटा येसु, अहाँ हमरसे कथी चाहैचियै? हम अहाँके गोर लागैची, हमरा नै सताबु।”
तकरबाद गेरासेनस राजके अगल-बगल गामके लोकसब अतेसे चैलजाउ कैहके बिन्ती करल्कै। कथिलेत उसब एकदम डर्यालछेलै। तब येसु नाहमे चहैरके जाइले लाग्लै।
जब उ एतौ त सन्सारके लोकसबके पाप, धारमिकता आ परमेस्वरके नियाइके बिसयमे कैरते आइबरहल भुलसब देखाइतौ,
येसु ओकरा कहल्कै, “हमरा नै छु, कथिलेत अखुनतक हम पिताके लग उपर नै गेल चियै। बरु हमर भाइसबलग ज्याके ओकरासबके कैहदहै कि हम आपन पिता आ तोरासबके पिता, आपन परमेस्वर आ तोरासबके परमेस्वर लग उपर ज्यारहल चियै।”
यि बात सुनैत मातर हाकिम इजोत मङ्याके दौरते भितर एलै आ डरसे थर-थर कापैत पावल आ सिलासके अगा ठेङहुनिया द्याके बैठलै।
यि बात सुइनके उसब दुखी भेलै आ पछताबे लाग्लै, तब पतरुस आ औरो परेरितसबके उसब कहल्कै, “भाइसब, हमसब कथी करबै?”
हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै कैहके पबितर आत्मा स्वयम आपनेसे अपनासबके आत्माके गबाही दैछै।
सिरिस्टी करल चिज मातरे नै, अपनोसब भितरे भितर दुखसे कुहरैचियै। अपनासब परमेस्वरके परतिग्याके रुपमे पबितर आत्मा पाबनेचियै। ओहैसे अपनोसबके कहिया पुरा हकबला ओकर सन्तान बनेतै आ सब खराब बातसे अपनासबके देहके छुटकरा देतै कैहके असियाल चियै।
ओहिनङे पबितर आत्मा अपनासबके बिस्बासमे कमजोर हैतकाल मदत करैछै। कनङ परथना करैछै कैहके सब्दमे बेक्त करैले नै सैकके कुहरैत बखत पबितर आत्मा अपनासबके लेल परथना कैरदैछै।
उसब इजराएली चियै आ परमेस्वर ओकरासबके आपन बेटा-बेटीसब बनेल्कै। उ आपन महिमा ओकरासबके परकट करल्कै। ओकरासबसङे करार बानहल्कै, बेबस्था देल्कै आ आराधना करैले सिखेल्कै। उसब ओकर परतिग्या पाबल्कै।
हमसब सन्सारके आत्मा नै, महज परमेस्वरके पबितर आत्मा पाबनेचियै, ताकि उ अपनासबके खुसिसे जे चिज देनेछै ओइके बुझैले सकी।
यदि कोनो लोक आइबके हमरासबके करल येसुके परचार बाहेक दोसर येसुके परचार करतै त, तोरासबके भेटल आत्मासे दोसरे आत्मा तुसब गरहन करबिही त, या तोरासबके भेटल सुसमाचारसे कोनो दोसर सुसमाचार गरहन करबिही त, तुसब यि सबके अगा सहजे झुकैचिही।
खतनाके यि बात उठलै कथिलेत कतहेक झुठा बिस्बासीसब बहाना कैरके अपनासबके बिस्बासीसबके जेरमे एलै। उसब खिरिस्ट येसुमे भेल अपनासबके स्वतन्तरताके चेवा करैले आ हमरासबके बेबस्थाके दास बनाइले चाहैछेलै।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।
उ आपन उदेस्य अनुसार अपनासबके परेम कैरके येसु खिरिस्टमे आपन सन्तान हैले पहिनेसे छान्ने छेलै।
कथिलेत परमेस्वर अपनासबके डरके आत्मा नै महज, सक्ती, परेम आ आपनके बसमे राखैबला आत्मा देनेछै।
तब मिरतुके डरसे जिबनभैर बन्धनमे परलहासबके उ छुटकरा देल्कै।
परमेस्वर एकेटा छै कैहके तु बिस्बास करैचिही। बहौत निक! महज एहेन बिस्बास त भुतोसब करैछै आ डरसे थरथर कापैछै।
परेममे डर नै हैछै महज सिध परेम डरके दुर कैरदैछै। कथिलेकी डरके सङहत त दन्डके जरे हैछै आ जे डराइछै उ परेममे सिध नै रहैछै।