2 उदाहरनके लेल, कोनो एकटा बियाह भेल जनी बेबस्था अनुसार ओकर घरबला जिबित रहेतक आपन घरबलासङे रहैछै, महज यदि ओकर घरबला मैरजाइछै त, बेबस्थाके बन्धनसे सोतन्तर हैछै।
ओहिनङे, यदि ओकर घरबला जिबिते रहतै आ उ दोसर पुरुखसङे बियाह करैछै त, उ बेबिचार करैछै। महज ओकर घरबला मैरजाइछै त, ओइ बेबस्थामे उ बान्हल नै रहैछै आ दोसर पुरुखसङे बियाह करतै त उ बेबिचार नै करैछै।
महज अपनासबके अधिनमे राखैबला बेबस्थाके लेल मैरके आब ओइसे छुटकरा पाबनेचियै, ओहैसे अपनासब पुरन्का लिखल बेबस्था अनुसार सेबा नै करैचियै, महज पबितर आत्माके देल लया बिधी अनुसार परमेस्वरके सेबा करैचियै।
जाबेतक घरबला जिबित रहैछै ताबेतक घरबाली आपन घरबलाके अधिनमे रहैछै। महज ओकर घरबलाके मिरतु भेलाके बाद उ स्वतन्तर हैछै आ उ जकरसे बियाह करैके मन लागैछै तकरसे बियाह करे सकैछै महज उ बिस्बासी हैकेचाही।
घरबाली आपन देहमे अधिकार नै राखैछै, महज ओकर घरबला राखैछै। तहिनङे घरबला आपन देहमे अधिकार नै राखैछै, महज ओकर घरबाली राखैछै।