11 कथिलेत पाप बेबस्था दुवारा मौका पाइबके हमरा छल करल्कै आ ओहैके हथियार बनाके हमरा मारल्कै।
बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके नजरमे कोइयो नै धरमी ठहरतै कथिलेत लोकसब पापी छै से बात त बेबस्थे बताइछै।
कि असल बेबस्था हमरा मिरतुदन्ड देल्कै त? पक्का नै! पापे त असल बेबस्थाके हथियार बनाके हमरा मिरतुदन्ड देल्कै। तैल्याके पाप बेबस्था दुवारा साँचेके घिनलागैबला पाप छै कैहके देखाइछै।
महज यि आग्याके कारनसे पाप मौका पाइबके हमरा सबपरकारके लोभ करैले लगेल्कै। कथिलेत बेबस्था नै रहतियै त पाप अपनासबके जिबनमे कोनो अधिकार नै करतियै।
तोरासबके पुरन्का जिबन आपने खराब इक्छाके कारनसे नस्ट हैतरहौ। तैखातिर तुसब आपन पुरन्का जिबन तियाइदहै।
जबतक “आजुके दिन” कहैबला समयछै, तबतक एक दोसरके उत्साह दहै। ओहेन करबिही त, तुसब पापमे नै परबिही आ तोरासबके हिरदय परमेस्वरके इन्कार नै करतौ।
तोरौरके बचन पालन करैबला बन, सुनैबला मातरे भ्याके आपनके धोखा नै दहै।
कोइ आपनके धरमी सम्झैछै, महज आपन जिहके लगाम नै लगाइछै त उ आपनेके धोखा दैछै आ ओकर धरम-करम बेरथ हैछै।