7 कथिलेकी मरल लोक पापके सक्तीसे स्वतन्तर हैछै।
मानबके बेटा खाइत-पियैत एलौ, तब तुसब कहैचिही, ‘देख, एकटा खाधुस, पियक्कर, बटी उठाइबलासब आ पापीसबके सङी!’ महज परमेस्वरके बुइध असल छै, से बात ओकर कामेसे परमानित हैछै।”
अहँ, ओनङ करनाइ ठिक नै छै। पापेके खातिर अपनासब मरल चियै, तब कनङके पाप करैत जियैले सक्बै?
महज यदि अपनासब खिरिस्टसङे मरल चियै त, ओकरसङे जिबित सेहो हेबै कैहके बिस्बास करैचियै।
उदाहरनके लेल, कोनो एकटा बियाह भेल जनी बेबस्था अनुसार ओकर घरबला जिबित रहेतक आपन घरबलासङे रहैछै, महज यदि ओकर घरबला मैरजाइछै त, बेबस्थाके बन्धनसे सोतन्तर हैछै।
अहैलेल हे हमर भाइ-भैयासब, तुसब खिरिस्टसङे बेबस्थाके लेल मरल चिही त तुसब सेहो खिरिस्टेसङे मरलसे जिबित भ्याके एक भेलचिही, ताकी अपनासब परमेस्वरके लेल असल काम करैले सकी।
ओहैसे जेसब येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैछै, तकरासबके परमेस्वर दन्ड नै दैछै।
खिरिस्ट आपन देहमे दुख भोगल्कै ओहिनङे तुहुसब सेहो ओकरे जखा सोच राख, कथिलेकी जे लोक देहमे दुख भोगनेछै, से पापसे दुर रहैछै।