5 यदि ओकर मिरतुमे अपनासब ओकरसङे एके भेलचियै त, ओकर पुनरुथानमे सेहो पक्का अपनासब ओकरमे एक हेबै।
महज येसु जबाफ देल्कै, “स्वरगमे रहैबला हमर पिताके नै रोपल सब गाछ जैंरसे उखारलजेतै।
हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, जाबेतक गहुमके दाना माटीमे पैरके नै मरैछै ताबेतक उ एकटा दाना मातरे रहैछै। महज यदि उ मैरजाइछै त, बहौत फल फराइछै।
येसुके जिबन अपनासबके देहमे परकट हेबे कैहके हमसब ओकर मिरतु सबदिन अपनासबके देहमे बोइकके चलैचियै।
कथिलेत बप्तिस्मा लैतखिना तुसब खिरिस्टसङे गारल गेल्ही आ मरलसे खिरिस्टके जियाइबला परमेस्वरके सक्तीमे बिस्बास करलाके कारनसे खिरिस्टसङे जिबित भेलचिही।
तुसब खिरिस्टसङे जिबित भेलाके कारनसे स्वरगके बातसब खोजी कर, जते खिरिस्ट परमेस्वरके देहना कातमे बैठलछै।