21 जे कामसबसे तुसब अखैन लाज मानैचिही तै कामसबसे तोरासबके कथि फैदा भेलौ? कथिलेत ओइ कामसबके परिनाम त मिरतु चियै।
एहेन लोक मिरतुके योग्यके हैछै कैहके परमेस्वरके धारमिक नियम जानियोके उसब यि कामसब करैछै। ओतबे नै, वोहन काम करैबलासबके औरो उस्काबैछै।
सिरिस्टीके पहिन्का लोक आदम दुवारा सन्सारमे पाप एलै आ ओकरे पापसे मिरतु एलै। अहिनङ कैरके लोकसबमे मिरतु फैलगेलै कथिलेत सबकोइ पाप करने छेलै।
तुसब जकर आग्यापालन करैचिही ओकर दास हैचिही से तोरासबके थाह छौ। तुसब पापके दास भ्याके ओकर आग्यापालन करबिही त मरबिही, महज परमेस्वरके आग्यापालन करबिही त, तुसब ओकर अगा धरमी ठहरबिही।
कथिलेत पाप करैबलाके बैन मिरतु चियै, महज फोक्टेमे देल परमेस्वरके बरदान त अनन्त जिबन चियै जे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे देनेछै।
अपनासब एक समय देहके पाप स्वभावमे जिबन बिताइत रहियै। ओइ बखत पापी स्वभाव बेबस्थाके बिरोधमे अपनासबके बहुत पाप करैले लगेल्कै आ मिरतुके भागिदार बनेल्कै।
यदि तुसब पाप स्वभाबके इक्छा अनुसार चलबिही त, तुसब मरबिही। महज पबितर आत्माके सक्तीसे पाप स्वभाबके नास करबिही त, तुसब अनन्त जिबन पाबबिही।
पाप स्वभाबके इक्छामे चलैबला लोकके मिरतु हेतै, महज जे पबितर आत्मामे मन लगेतै, उ अनन्त जिबन आ सान्ती पाबतै।
हमसब सब किसिमके घोसैरके करैबला सरमके कामसब त्यागनेचियै। हमसब धुर्त काम नै करैचियै नै त परमेस्वरके बचनके गलत हिसाबसे परयोग करैचियै। महज परमेस्वरके सामने हमसब खिरिस्टके बारेमे सत बात मातरे बोलैचियै, ताकि कोनो लोकसबके मनमे हमसब छल करैचियै कैहके दोस लगाइले नै पाबे।
परमेस्वरसे एल दुखसे तोरासबमे केहेन उत्साह जगाइल्कौ, ओइके याद कर। आपनेके निरदोस साबित कराइके लेल केहेन उत्सुकता छौ। केहेन डाह, केहेन डर, केहेन पियास, केहेन जोस, नियाय हैकेलेल केहेन चाह छौ! सब बातमे तुसब आपनेके निरदोस साबित करनेचिही।
बिनास ओइसबके अन्त चियै, पेट ओइसबके देबता चियै, लाज मानैबला बातसबमे उसब घमन्ड करैछै। ओइसबके मन सन्सारिक बातसबमे मातरे लागल रहैछै।
तुसब आपने बिचार कर, परमेस्वरके बेटाके अनादर करैबला, आपनेके पबितर बनाइबला करारके लहुके अपबितर करैबला आ अनुगरह दैबला पबितर आत्माके अपमान करैबला लोक औरो बरका सजाय पाबतै।
महज औरो लोक काट आ कुस उबजाबैबला जमिन जखा हैछै। उ जमिन बेकार हैछै। एहैन जमिनमे त परमेस्वरके सराप परे सकैछै आ अन्तमे आइगसे नास हेतै।
अहै कारन आपन खराब इक्छासे पाप जलमाइछै। ओह्या पाप बैढके मिरतुके कारन बनैछै।
उ लोक जाने कि, एक गोरा पापीके ओकर गलत बाटसे घुमाके लाबैछै त, ओकरा मिरतुके मुहसे बचाइतै आ बहौत पाप छमा पाबैके लेल सहायता करतै।
नियाय हैबला समय आइबगेल छै आ यि नियाय परमेस्वरके आपने लोकसबसे सुरु हेतै। हमरासबके नियाय हैछै त, परमेस्वरके सुसमाचार कहियो नै बिस्बास करैबलाके दसा केहन हेतै?
हमर धियापुतासब, खिरिस्टमे रह आ जहिया उ परगट हेतौ, तहिया तोरासबके साहस मिल्तौ तब ओकर आबैबला ओइ दिन ओकर अगा लाजमे नै परबिही।
कथिलेत उसब अहाँके पबितर जनसब आ अगमबक्तासबके लहु बहेनेछै तब ओकरासबके अहाँ लहुवे पियैले देलियै। ओइसबके अनङ सजाय पाबनाइ उचित छै।”
मिरतु आ पताल आइगके भठिमे फेकलगेलै। यि दोसर मिरतु चियै।