परभुमे बिस्बास करैबला रोमके बिस्बासीसब जब हमरासबके आबैके खबर सुनल्कै तब उसब हमरासबके भेट करैले रोमसे अप्पियस बजार आ तिन-पाटी तक एलै। ओइसबके देखके पावल परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै आ साहस पाबल्कै।
तैखातिर हे भाइ-भैयासब, यदि हम तोरासबके बिचमे आन भसामे बोल्बौ त तोरासबके कि फाइदा हेतौ? बरु परमेस्वरसे एल कोनो बातके परकास आ ग्यान-गुनके बात, अगमबानी या सिक्छा हम देबौ त तोरासबके फाइदा हेतौ।