1 परमेस्वर अपनासबके पापसब छमा करैछै आ अपनासबके उपर अनुगरह देखाबैछै। तैल्याके अपनासब पाप कैरते रह कहबै त?
या कि तु परमेस्वरके महान किरपा, सहनसिलता आ धिरजके तुच्छ सम्झैचिही? परमेस्वर आपन किरपासे तोरा पापसे पस्चाताप करैके मौका देनेछौ से बात कि तोरा थाह नै छै?
तब कि अपनासबके अहै बिस्बास दुवारा बेबस्थाके बेरथ कैरदेबै? कदापी नै! बरु हमसब बेबस्थाके साँचोके मानैचियै।
माइनले हमसब बेबस्थाके अधिनमे नै चियै, महज परमेस्वरके अनुगरहके अधिनमे चियै त, कि पाप करबै? कदापी नै।
भाइ-भैयासब, तुसब स्वतन्तर हैले बोल्याल गेलचिही। यि स्वतन्तरताके आपन पाप स्वभाबके इक्छा पुरा करैले परयोग नै कर। बरु परेमसे एक दोसरके भलाइ कर।
तुसब स्वतन्तर लोक जखा जिबन बिता। आपन स्वतन्तरताके खराब काम करैके लेल बहना नै बना, महज परमेस्वरके दास भ्याके असल काम कर।
कथिलेकी परमेस्वरके आदर नै करैबला कोइ-कोइ पैहनिए दोसी ठहरल लोकसब तोरासबके बिचमे ककरो थाह नै द्याके ढुकल छौ। उसब परमेस्वरके नै मानैछै। परमेस्वरके देल अनुगरहके अधलाह कामसब करैले हथियार बनाइनेछै तब येसु खिरिस्टके एक मातरे परभु आ मालिक चियै सेहो कहैले इन्कार करैछै।