5 कोनो लोक धरम-करममे नै महज पापी लोकसबके छमादैबला परमेस्वरमे बिस्बास करैछै त वह्या बिस्बासके कारन परमेस्वर ओकरा धरमी ठहराइछै। यि त परमेस्वरके दान चियै।
तब येसु ओकरा कहल्कै, “कथिले सक्बै कहैचिही? बिस्बास करैबलाके लेल सबकुछ सम्भब हैछै।”
“हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे हमर बचन सुनैछै आ हमरा पठाइबलाके उपर बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। उ नियाइमे नै परतै, महज मिरतुसे पार भ्याके उ जिबनमे परबेस करने छै।
येसु ओइसबके जबाब देल्कै, “परमेस्वरके काम एह्या चियै, जे ओकरा पठाइने छै ओकर उपर बिस्बास कर।”
कथिलेत परमेस्वर लोकसबके आपन अगा धरमी ठहराबैबला तरिकाके उसब जान्बे नै करैछेलै, तैल्याके उसब धरमी ठहराबैबला तरिकाके असुइकार करल्कै। उसब आपने तरिकासे परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैले ताकल्कै।
अहिनङ कैरके, येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबला सबके परमेस्वर धरमी ठहराइनेछै, कथिलेत उ ककरो भेदभाव नै करैछै।
महज अपनोसबके लेल लिखलगेल छै। जे कोइ अपनासबके परभु येसुके मरलसे जिबित करैबला परमेस्वरमे बिस्बास करैछै, ओकरा परमेस्वर धरमी ठहराइछै।
कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे लिखलछै, “अबराहम त परमेस्वरमे बिस्बास करल्कै आ ओकर बिस्बाससे परमेस्वर ओकरा धरमी ठहरेल्कै।”
अहै तरहसे धरम करम बिना परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरल लोकके बारेमे रजा दाउद अनङ कहैछै,
ताकी पुरा रुपसे हम ओकरमे एक भ्यासकी। बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके अगा हम धरमी हैले नै सक्बै महज आब खिरिस्टमे बिस्बास करलासे परमेस्वरे हमरा धरमी ठहराइल्कै। यि धारमिकता बिस्बासमे अरल छै।