2 यदि असल काम कैरके अबराहम धरमी ठहरतियै त, उ घमन्ड करैले सकतियै। महज परमेस्वरके अगा ओकरा घमन्ड करैबला कोनो ठामे नै छै।
ओहैसे येसु खिरिस्टके कारन परमेस्वरके लेल हमर करल काममे हम गर्भ करैचियै।
ताकि कोनो लोक परमेस्वरके अगा घमन्ड नै करे।
ओहैसे पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “जे लोक घमन्ड करतै, से लोक परभुमे घमन्ड करे।”
के तोरासबके औरोसे बरका बनेल्कौ? कि तोरासबसङे जे छौ, उ परमेस्वर नै देल्कौ? यदि तुसब उ पाबनेचिही त, कथिले घमन्ड करैचिही?
यदि हम सुसमाचार परचार करैचियै त ओइमे घमन्ड करैबला कोनो कारन नै छै, कथिलेत यि काम हमरा करैयै परतै। हम सुसमाचार परचार नै करबै त हमरा धिक्कार छै।
हम जे काम कैर रहलचियै से काम कैरते रहबै, ताकी ओइसबके करल काम हमरे बराबर चियै कैहके उसब घमन्ड करैके मौका नै पाबे।
यदि हमरा गर्भ करे परतै त, हम आपने कमजोरी देखाइबला बातसबमे गर्भ करबै।
हमसब फेनसे आपनेके तोरासबके अगा बराइ नै करैचियौ, बरु तोरासबके हमरासबमे गर्भ करैके मौका दैचियौ, ताकि तुसब ओकरासबके जबाफ दैले सक, जे लोक हिरदयके बातमे नै महज बाहरके बातमे घमन्ड करैछै।
महज येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके परमेस्वरके परतिग्याके आसिस पाबैले सके कैहके सबके पापके अधिनमे राखल छै कैहके धरमसास्तर कहैछै।
यि तोरासबके कामसे नै भेलछौ, नै त लोक घमन्ड करतियै।
ताकी पुरा रुपसे हम ओकरमे एक भ्यासकी। बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके अगा हम धरमी हैले नै सक्बै महज आब खिरिस्टमे बिस्बास करलासे परमेस्वरे हमरा धरमी ठहराइल्कै। यि धारमिकता बिस्बासमे अरल छै।