1 आब अपनासबके पुरखा अबराहमके बारेमे देख। कोन कारनसे धरमी ठहरलै त?
‘हमसब अबराहमके सन्तान भेलासे बाँच्बै’ कैहके नै सोच। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, परमेस्वर यि पथलोसे अबराहमके खातिर धियापुता जलमा सकैछै।
ओइखातिर तुसब आपन पाप माइनके आ पस्चाताव कैरके असल बैनके देखा। ‘अपनासब अबराहमके खन्दानके सन्तान चियै’ तै खातिर दन्डसे भागबै कैहके नै सोच, कथिलेत परमेस्वर अबराहमके लेल यि पथलोसे सन्तान बनाइले सक्तौ।
उसब येसुके कहल्कै, “हमसब अबराहमके धियापुता चियै आ कहियो नै ककरो दास बनल चियै। तब तोरासबके छुटकारा देतौ कनङके कहैले सक्बै?”
कि तु हमरासबके पुरखा अबराहमोसे महान चिही? उ त मरलै आ अगमबक्तासब सेहो मरलै। तु अपने-आपके के चियै कैहके ठानैचिही?”
तोरासबके पुरखा अबराहम हमर आबैबला दिन देखैके लेल बहुते इक्छा करने छेलै। उ देख्बो करल्कै आ बहुत खुसियो भेलै।”
“ऐ, अबराहमके कुलके धियापुता आ ओकरौरके परमेस्वरके डर मानैबला चाहे उ आने जातीके कियनै हेबै, कथिलेत यि मुक्तीके खबर परमेस्वर अपनासबके खातिर पठाइने छै।
उ सुसमाचार परमेस्वरके बेटा, येसु खिरिस्टके बिसयमे चियै। उ लोक भ्याके रजा दाउदके बंसमे जलम लेल्कै।
महज कतहेक लोकसबके बिचारमे, हम यहुदीसबके करल पापसे परमेस्वर औरो बेसी धरमी देखाइछै त हम कथि करबै? कि लोकसबके दन्ड देनाइ परमेस्वरके गल्ती छेलै त?
ओहैसे परमेस्वरके परतिग्या बिस्बास दुवारा पाबैबलाके यि ओकर अनुगरहमे भर परैछै। यि परतिग्या बेबस्था पालन करैबला अबराहमके सन्तानसबके लेल मातरे नै महज अबराहम जखा बिस्बास कैरके जियैबलासबके लेल चियै, कथिलेत अबराहम सबके पुरखा चियै।
परमेस्वर अपनासबके पापसब छमा करैछै आ अपनासबके उपर अनुगरह देखाबैछै। तैल्याके अपनासब पाप कैरते रह कहबै त?
ओनङ चियै त हमसब आब कथि कहबै? कि बेबस्था पाप चियै त? ओनङ नै चियै। बेबस्था नै रहतियै त पाप कथि चियै से हम थाहे नै पाबतियै, कथिलेत “तु लोभ नै कर” कैहके बेबस्था नै कहने रहतियै त लोभ नै करैके हैछै कैहके हम थाहे नै पाबतियै।
परमेस्वरके करल कामसबके बिसयमे अपनासब कथि कहबै त? यदि परमेस्वर अपनासबके पक्छमेछै त, अपनासबके बिरोधमे के खरा हेतै?
कि उसब हिबरु चियै? हँ हम्हु चियै। कि उसब इजराएली चियै? हँ हम्हु चियै। कि उसब अबराहमके खानदानके चियै? हँ हम्हु चियै।
अकर अलाबा अपनासबके अनुसासनमे राखैबला सारिरीक बाबु छेलै। अपनासब ओकरा आदर करैछेलियै। अनन्त जिबन पाबैले औरो अपनासब आपन आत्मिकी बाबुके अधिनमे रहैले परतै।