31 तब कि अपनासबके अहै बिस्बास दुवारा बेबस्थाके बेरथ कैरदेबै? कदापी नै! बरु हमसब बेबस्थाके साँचोके मानैचियै।
ओकरा आपन माँ-बाबुके सेबा करैके कोनो जरुरी नै परतै।’ अहिनङे तुसब आपन रितिरिबाजके खातिर परमेस्वरके बचनके बेकाम कैरदेने चिही।
तब येसु युहन्नाके कहल्कै, “अखुन अहिनङे हेबे दियौ। कथिलेत अपनासबके खातिर एह्या उचित छै जे अहिनङे सब धारमिकताके पुरा करे परतै।” तब युहन्ना ओकर बात मानैले राजी भेलै।
“मोसाके देल्हा बेबस्था आ अगमबक्तासबके बात रद करैले हम एलचियौ से नै समझ। हम उ रद करैले नै महज पुरा करैले एलचियौ।
कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, तोरासबके धारमिक्ता धरमगुरुसब आ फरिसीसबसे बेसी नै हेतौ त तुसब कोनो भि हालतमे स्वरगके राजमे नै ढुकबिही।
उ आइबके सब बटिदारसबके माइरदेतै आ अङगुर खेत औरो लोकसबके द्यादेतौ।” लोकसब यि बात सुइनके कहल्कै, “एहेन कहियो नै हेबे!”
कथिलेत येसु खिरिस्ट बेबस्थाके पुरा करल्कै। आब जेसब ओकरमे बिस्बास करतै, उसब परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरतै।
तुसब मुरुख लोकसबके सल्लाहकार तब परमेस्वरके बारेमे किछो नै जानैबलासबके सिक्छक चियै कैहके सोचैचिही, कथिलेत बेबस्थामे भेल सब बुइध आ सत बात पाबनेचियै कैहके दाबी करैचिही।
पक्का पुरा करतै, सब लोक आपन बचन पुरा नै करतै तैयो परमेस्वर आपन बचनके पुरा करतै। जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “बोलि-बचनमे अहाँ ठिक ठहरलचियै, नियाय हेतै त अहाँके जित हेतै।”
नै, परमेस्वरके दन्ड दैबला काम कोनो हालतमे गल्ती नै चियै। यदि परमेस्वर ठिकसे नियाय नै करतै त उ कनङके सन्सारके लोकसबके नियाय करतै?
यदि बेबस्था पालन करैबलासब मातरे हकबला हेतियै त, बिस्बास आ परतिग्या बेरथ हेतियै,
कथिलेत हमर मन परमेस्वरके बेबस्थामे आनन्दित हैछै।
हम परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै। येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर हमरा छुटकरा दैछै। तैल्याके आपन हिरदयमे परमेस्वरके बेबस्था पालन करैचियै महज हमरमे भेल पाप स्वभाब हमरा पापके नियमके अधिनमे राखैछै।
बेबस्थाके कहल अनुसार हमसब चलैले सकी कैहके परमेस्वर अनङ करल्कै। आब हमसब आपन इक्छा अनुसार नै, महज पबितर आत्माके इक्छा अनुसार चलैचियै।
जब हम बेबस्था नै भेलसबके बिचमे छेलियै, खिरिस्टमे उसब बिस्बास करे कैहके हम बेबस्था नै भेलसब जखा भेलियै। अकर मतलब हम मोसाके देल बेबस्था नै मानैचियै कैहके नै कहैचियौ। हम त झन खिरिस्टके बेबस्थाके मानैचियै।
कथिलेत हम त बेबस्थाके पालन करैले खोजलियै त ओह्या बेबस्था हमरा दोस लगेल्कै। तब परमेस्वरके लेल जिये सकी कैहके बेबस्थाके पालन कैरके मुक्ती पाबैके लेल कोसिस करैले छोइरदेलियै।
हम परमेस्वरके अनुगरहके बेरथके नै ठानैचियै। यदि बेबस्था पालन कैरके हमसब परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैचियै त, खिरिस्टके मरनाइ बेरथ हेतै।