3 महज कतहेक गोरा बिस्बास योग्य नै भेलै त, कि भेलै? उसब बिस्बास योग्य नै भेलै त कि परमेस्वर आपन बचन पुरा नै करतै से?
स्वरग आ पिरथिबी बित जेतै, महज हमर बचन रहबे करतै।
ओकरे अनुगरहसे उटुङ-टुटुङ भैरके आसिस उपर आसिस मिलरहल छै।
महज सुनैबला लोकसब सुसमाचारके सुइकार नै करल्कै, कथिलेत यसैया अगमबक्ता कहैछै, “हे परभु, हमरासबके परचार करल सुसमाचारमे के बिस्बास करने छै से?”
कथिलेत परमेस्वर आपनेसे देल बरदान कहियो फिरता नै लैछै आ बोल्यालसबके कहियो नै छोरैछै।
इजराएलीसब खिरिस्टमे बिस्बास नै करल्कै कहतेमे, परमेस्वर ओकरासबसङे करल परतिग्या बिफल भेलै से बात नै चियै। कथिलेत इजराएलके कुलमे जलमल सब लोकसब त परमेस्वरके लोकसब नै चियै।
हमरासबके नै झापले चेहरासे परभुके महिमाके झलकाइचियै। परभु आत्मा चियै आ उ अपनासबके औरो आपनलखा महिमामय रुपमे परिबरतन कैरतेजेतै।
भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हरदम परमेस्वरके धन्यबाद देनाइ जरुरी छै। यि फेर योग्यकेभी चियै, कथिलेत तोरासबके बिस्बास परसस्त बरहैत ज्यारहलछौ आ तोरासबके परेम एक-दोसरमे बैढरहल छौ।
हमसब बिस्बास योग्य नै चियै तैयो उ बिस्बास योग्य रहतै, कथिलेत उ आपनेके इन्कार नै करे सक्तै।
कथिलेत अपनोसबके सेहो ओइसबके जखा सुसमाचार परचार करलगेलछै, महज उसब ओइ सुसमाचारमे बिस्बास नै करलाके कारन ओकरासबके कुछो फाइदा नै करल्कै।