3 तु एहेन काम करैबलासबके दोस लगाइचिही, हे लोकसब आपने तु ओहेन कामसब करैचिही। कि तु परमेस्वरके नियायसे बचबिही कैहके सोचैचिही?
“ए साँपसब, बिखधर साँपके बच्चासब! तुसब कनङके नरकके दन्डसे भागबिही?
तु कि सोचैचिही यदी हम माङने रहतियै त कि हमर पिता तुरन्त बारह पल्टनसे बेसी स्वरगदुतसब नै पठादेतियै?
महज येसु ओकरा कहल्कै, “भाइ, के हमरा तोरासबके फैसला करैले या दुनुगोरेके धनसम्पैत बाटैले खटेल्कौ?”
कुछ देरके बाद दोसरकोइ पतरुसके देखके कहल्कै, “तुहु ओहैसबके सङी चिही।” महज पतरुस ओकरा जबाब देल्कै, “धु मरदे, हम नै चियै हौ।”
महज पतरुस कहल्कै, “धु मरदे, तोहे कथी कहैचहक, हम नै जानैचियै!” तहै बखत पतरुस बोलतैखिना मुरगा डाँक देल्कै।
एहेन लोक मिरतुके योग्यके हैछै कैहके परमेस्वरके धारमिक नियम जानियोके उसब यि कामसब करैछै। ओतबे नै, वोहन काम करैबलासबके औरो उस्काबैछै।
हे लोकसब, कि तु दोसरके दोस लगाइचिही? तोरासबमेसे चाहे जे कोइ हेबे दोसी नै चियै कैहके बहाना करैबला कोनो कारन नै छौ। दोसरके दोस लगाइबला तु आपनेके दोसी ठहरबिही, कथिलेत जे कामके लेल दोसरके दोस लगाइचिही, उ काम तु आपने करैचिही।
परमेस्वर एहेन काम करैबलासबके ठिकसे नियाय करैछै से बात अपनासब जानैचियै।
हे लोकसब, परमेस्वरके मुहे-मुहे लागैबला तुसब के चिही? कि माटिके बरतन बनाबैबलाके “हमरा कथिले एहेन बनेलियै” कहैछै से?
जब लोकसब “सान्ती आ सुरक्छा” कहैत रहतै, तै बखत जनङ देहभारी भेल जनी बच्चाके जल्माबैके पिरा उखरैछै तहिनङ अचानक ओइसब उपर आफत एतै आ उसब ओइसे नै बाच्बे।
होसियार रह, तोरासबसङे बोलैबलाके इन्कार नै कर। यदि अइ पिरथिबीके लोकसे देल चेताबनीके इन्कार करैबला भागैले नै सक्तै त स्वरगसे चेताबनी दैबलाके इन्कार करबिही त कनङके बाचैले सकबिही?
आब हमसब एहैन महान मुक्तीके वास्ता नै करबै त, अपनासब कनङके दन्डसे बाच्बै? यि मुक्तीके बारेमे सबसे पहिने परभु येसु आपनेसे परचार करल्कै आ ओकर बचन सुनैबलासब अपनासबके लेल पक्का परमानित कैरदेल्कै।