25 यदि तुसब बेबस्था पालन करैचिही त खतना करल फाइदा हेतौ। महज तुसब बेबस्था पालन नै करैचिही त, तुसब खतना नै करैबला लोकसब जखा चिही।
“हे अटेरी लोकसब, कठोर हिरदय आ बैहरसब, तुसब हरदम पबितर आत्माके बिरोध करैत रहैचिही। तोहर पुरखासब जैहनङ करल्कौ तैहनङ तुहुसब करैचिही।
कथिलेकी बेबस्था सुइनके मातरे लोकसब परमेस्वरके नजरमे धरमी नै ठहरतै महज बेबस्था पालन करैबलासब धरमी ठहरतै।
मोसाके बेबस्था हमरासबसङे छै कैहके तुसब धाख लगाइचिही, महज ओकरा तुसब पालन नै कैरके कथिले परमेस्वरके अनादर करैचिही?
यदि खतना नै करैबला लोक बेबस्था पालन करैछै त कि ओकरासबके खतना करल लोकसबके जखा परमेस्वर नै मान्तै से?
तु यहुदीसबसङे लिखल बेबस्थाछौ आ तोरासबके खतना भेलछौ तैयो तुसब बेबस्था पालन नै करैचिही महज गैर-यहुदीसब खतनो नै कैरके बेबस्था पालन करैछै त तुसब स्वतह दोसी ठहरल जेब्ही।
बाहरके रुपसे मातरे यहुदी देखाबैबला लोक पक्का यहुदी नै हैछै। ओहिने देहमे करल बाहरके देखाबटी खतना पक्का खतना नै चियै।
कथिलेत खतना करनाइ या नै करनाइ बरका बात नै चियै, महज परमेस्वरके आग्यापालन करनाइ सबसे बरका बात चियै।
कथिलेत खतना करैबलासब आपने बेबस्था पालन नै करैछै। उसब तोरासबके खतना कराबैले चाहैछौ, जैसे तोरासबके देहमे यी बेबस्थाके पालन कराके घमन्ड करैले सके।
नै त खतनाके कोनो महत्व छै, नै त बेखतनाके, महज मुल बात यि चियै कि परमेस्वर अपनासबके नया लोक बनाइनेछै।