22 तुसब दोसरसबके बेबिचार नै कर कैहके कहैचिही, महज कथिले तुसब आपने बेबिचार करैचिही? तुसब मुरती पुजाके घिरना करैचिही, महज कथिले तुसब मन्दिरके लुटैचिही?
महज येसु उसबके जबाफ देल्कै, “अखुन्का दुस्ट आ बिस्बास घात करैबला पुस्ताके लोकसब चेन्हा माङैछै, महज परमेस्वर योना अगमबक्ताके जिबनमे देख्याल चेन्हा बाहेक औरो कोनो चेन्हा नै देखैले देतै।
दुस्ट आ बिस्बास घात करैबला पुस्ता चेन्हाके माङ करैछै, महज योना अगमबक्ताके चेन्हाके अलाबा कोनो चेन्हा नै देलजेतै।” तकरबाद येसु उसबके छोइरके चैलगेलै।
तब उ सिक्छा दैत कहल्कै, “कि एहेन लिखल नै छै, ‘हमर घर सब जातीसबके लेल परथनाके घर कहाइतै’? महज तुसब त अकरा डाकुसबके अड्डा बनाइने चिही।”
कथिलेत जे लोकसबके तुसब पकैरके आन्नेचिही, उसब नै त मन्दिर लुटने छै, नै त अपनासबके देबिके अपमान करने छै।
तोरासबके परेम देखाबटी नै महज सत हेबे। खराब काम छोइरके असल काममे लागल रह।
हे बेबिचारी लोकसब! परमेस्वरके छोइरके यि सन्सारके खराब चालचलनमे चलैबला लोकसब परमेस्वरके दुस्मन हैछै से बात तोरौरके थाह नै छौ? अहैलेल यदि कोनो लोक यि सन्सारके खराब चालचलनमे चल्तै, उ परमेस्वरके दुस्मन चियै।