8 परभुमे हमर पिरिय सङी एम्प्लीआतसके हमर गोरलगी सुन्यादहै।
आ तुसब आपन भाइ-बहिनसबके मातरे गोरलगी करैचिही त औरोसबसे बेसी कथी करलिही? कि गैर-यहुदीके लोकसब अहिनङ नै करैछै?
ओइसबके घरमे भेला हैबला बिस्बासीसबके हमर गोरलगी सुन्यादहै। हमर पिरिय सङी, इपेनितसके सेहो गोरलगी सुन्यादहै। उ एसिया परदेसमे सबसे पहिने खिरिस्टमे बिस्बास करैबला लोक चियै।
हमर सङी एनडरोनिकस आ युनियसके हमर गोरलगी सुन्यादहै। परेरितसबके बिचमे ओकरासबके नाम चलल छै आ हमरसे पहिने उसब खिरिस्टके बिस्बास करने छेलै। ओहोसब हमरसङे जहलमे छेलै।
खिरिस्टमे हमरसङे काम करैबला उरबानस आ हमर सङी स्ताखुसके सेहो हमर गोरलगी सुन्यादहै।
अहैलेल हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, तुहिसब हमर लेल पिरिय चिही। हम तोरासबके कतहेक याद करैत रहैचियौ। तुसब हमर आनन्द आ मुकुट चिही। हे हमर पिरियसब, अहिनङे तुसब परभुमे अस्थिर रह।
अपनासब जानैचियै कि मिरतुके मुहसे निकैलके जिबनमे पुइगगेल चियै कारन अपनासब एक दोसरके परेम करैचियै। जे लोकसब परेम नै करैछै उ मिरतुके बन्धनमे रहैछै।