4 हमरा बचाबैले उसब आपन जिबन जोखिममे पारनेछेलै। ओइसबके हम मातरे नै महज सारा गैर-यहुदीयोके मन्डलीसब धन्यबाद दैछै।
साथि-सङीके लेल आपन परान देनाइसे बरका परेम औरो किछो नै छै।
यि दुनुगोरा एहेन लोकसब चियै, जे परभु येसु खिरिस्टके सेबाके खातिर आपन जानो तकके परबाह नै करने छै।
उसब सिरिया आ किलिकिया परदेसमे घुइम-घुइमके ओतेका बिस्बासीसबके बिस्बासमे मजगुत बनाइत गेलै।
अहिनङे मन्डलीके लोकसब बिस्बासमे मजगुत हैतगेलै आ दिन-दिने बिस्बास करैबला लोकसब बरहैत गेलै।
तकरबाद सारा यहुदिया, गालिल आ सामरियाके मन्डलीसबमे सताबटसे सान्ती भेलै। परभुके डर मानैत बिस्बासमे मजगुत भेलै। परमेस्वरके पबितर आत्माके जोस पाइबके मन्डलीसब बरहैत गेलै।
हमर सङे-सङे येसु खिरिस्टके काम करैबला सङी पिरिस्किला आ अकिलासके हमर गोरलगी सुन्यादहै।
ओइसबके घरमे भेला हैबला बिस्बासीसबके हमर गोरलगी सुन्यादहै। हमर पिरिय सङी, इपेनितसके सेहो गोरलगी सुन्यादहै। उ एसिया परदेसमे सबसे पहिने खिरिस्टमे बिस्बास करैबला लोक चियै।
धरमी लोकके लेल मरैले चाहैबला लोक पाबैले कठिनछै। असल लोकके लेल कोइ-कोइ मरैले साहस करियोसकैछै।
यरुसलेममे रहल परमेस्वरके जनसबके लेल भेटी जम्मा करैके बिसयमे हम गलातियाके मन्डलीसबके जे कहने छेलियौ तहिनङे तुहुसब कर।
चाहे जे हेबे, परभु जकरा जनङके खटाइनेछौ आ जे बरदान देनेछौ, उ तहिनङके जिबन बिताबे। सब मन्डलीसबके लेल हमर नियम एह्या चियै।
कथिलेकी उ खिरिस्टके काम करैके लेल मिरतुके मुहमे परल छेलै। तुसब हमर लेल पुरा करैले नै सकल सेबा उ पुरा करल्कै।
यि बात हमरासबके थाहछै भाइ-भैयासब कथिलेकी तोरासबके जे समस्या भेलौ उ समस्या यहुदियामे रहल परमेस्वरके मन्डली अरथात खिरिस्ट येसुमे बिस्बास करैबला लोकसबके भेलै। उसब आपन जाती यहुदीसे जनङ सताबट पाबल्कै तहिने तुहुसब आपने जातीके लोकसबसे सताबट पाबनेचिही।
खिरिस्टके परेम हमसब जानैचियै कि उ अपनासबके खातिर आपन परान देल्कै। तैल्याके अपनोसबके आपन भाइके लेल आपन परान दैलेपरतै।
एसिया परदेसमे भेल सातटा मन्डलीसबके युहन्नाके गोरलगी, परमेस्वर जे छै, जे छेलै आ जे एतै आ ओकर सिंहासनके अगा रहैबला सातटा परमेस्वरके आत्मासे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।