21 हमरसङे काम करैबला तिमोथी तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। तहिनङ कैरके हमर यहुदी भाइसब लुकियस, यासोन आ सोसिपातरोस सेहो तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।
एन्टिओखिया सहरके मन्डलीमे अगमबक्तासब आ सिक्छा दैबला लोकसब रहै। उसब बरनाबास, करिया कहाइबला सिमियोन, कुरेनीमे रहैबला लुकियस, रजा हेरोदेसङे पालन-पोसन भेल मनेन आ साउल रहै।
यि देखैत मातर बिस्बासी लोकसब पावलके तुरन्त समुन्दरके कात-करौतमे पठादेल्कै। महज सिलास आ तिमोथी ओतै बेरियेमे रैह गेलै।
महज औरो यहुदीसब ओइसबके डाह करै आ बजारके गुन्डा बदमाससबके बोल्याके बजारमे हो-हल्ला करैले लगाइल्कै। तकरबाद यासोनके घरमे हमला कैरके पावल आ सिलासके लोकसबके भिरके अगामे आनैले चाहल्कै।
सिलास आ तिमोथी माकेडोनियाके इलाकासे एलाकेबाद पावल आपन पुरा समय सुसमाचार सुनाबैमे लाग्यादेल्कै। उ यहुदीसबके समझाइत रहलै, “येसुवे मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियौ।”
तब पावल आपन दुइ सहकरमी, तिमोथी आ इरास्तसके उ माकेडोनियामे पठाइल्कै, महज आपने कुछदिन एसियेमे रहलै।
तब ओकरसाथमे बेरिया बासि पुरसके बेटा सोपातरोस, थेसलोनिकेसे अरिस्तारखस आ सिकन्दस, डरबीके गायस आ तिमोथी तब एसियाके तुखिकस आ तरोफिमस छेलै।
हमर यहुदी भाइ हेरोदियनके आ परभुमे बिस्बास करल नरकिससके घरमे भेल्हा लोकसबके सेहो गोरलगी सुन्यादहै।
हमर सङी एनडरोनिकस आ युनियसके हमर गोरलगी सुन्यादहै। परेरितसबके बिचमे ओकरासबके नाम चलल छै आ हमरसे पहिने उसब खिरिस्टके बिस्बास करने छेलै। ओहोसब हमरसङे जहलमे छेलै।
यदि हमर आपने जातिके इजराएली लोकसब मुक्ती पाबैछै त, हम खिरिस्टके सराप सहैले आ ओकरसे अलगो हैले तयार चियै।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे खिरिस्ट येसुके परेरित हैकेलेल बोल्याल आ अपनासबके भाइ तिमोथीसे सेहो, कोरिन्थ सहरमे रहल परमेस्वरके मन्डलीके आ अखैया परदेसके चारुदिसन रहैबला खिरिस्टके पबितर जनसबके यि चिठी लिखैचियौ।
कथिलेकी सिलास, तिमोथी आ हम तोरासबके बिचमे परचार करल परमेस्वरके बेटा येसु खिरिस्टमे एके छनमे “हँ” आ एके छनमे “नै” बला बात नै छै, महज ओकरमे हरदम “हँ” मातरे छै।
हम पावल आ तिमोथी, येसु खिरिस्टके दास, फिलिप्पी सहरमे रहैबला परमेस्वरके पबितर जनसब, मन्डलीके रेख-देख करैबलासब आ डिकनसबके यि चिठी लिखैचियै।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे येसु खिरिस्टके परेरित आ अपनासबके भाइ तिमोथीके तरफसे,
हम पावल, सिलास आ तिमोथीयोके तरफसे परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टमे यि चिठी लिखैचियौ। परमेस्वर थेसलोनिकीके मन्डलीसबके अनुगरह आ सान्ती देबे।
आ तिमोथीके तोरासबलग पठेलियौ। उ हमरासबके भाइ आ परमेस्वरके सेबक चियै आ खिरिस्टके बारेमे सुसमाचार परचार करैछै। तोरासबके बिस्बासमे बलगर हैले आ हौसला दैकेलेल हमसब तोरासबलग ओकरा पठेलियौ।
महज तिमोथी भरखरे तोरासब लगसे हमरासबलग एलछै आ तोरासबके बिस्बास आ परेमके बारेमे असल खबर आन्ने छै। तुसब हरदम हमरासबके परेमसे सम्झैचिही आ हमरासबके तोरासबसे भेटकरैके जतेक सुरता लागल छै ओतहेक तोरोसबके भेटैके सुरता करनेचिही से बात उ हमरासबके सुनेल्कै।
हम पावल, सिलास आ तिमोथीके तरफे परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टमे यि चिठी लिखैचियौ।
बिस्बासमे हमर साँचोके बेटा तिमोथीके चिठी लिखरहलचियै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरा अनुगरह, किरपा आ सान्ती मिले।
महज तु परमेस्वरके जन भेलाके कारन यि बातसबसे दुरे रहिहे। तु परमेस्वरके निक लागैबला धारमिक जिबन जिहे आ बिस्बास योग्य, परेम, धिरज आ नमरतामे आपन मन लगा।
हौ तिमोथी, जे जिम्मा परमेस्वर तोरा देने छौ ओकरा निकसे देखभाल कर। परमेस्वरके अपमान हैबला मुरुख बातसबसे आ कतहेक लोक परमेस्वरके बिरोध करैबला बातके “ग्यान” कैहके मानने छै तै झुठ बातसबसे अलग रह।
हम आपन पिरिय बेटा तिमोथीके यि चिठी लिखैचियै। परमेस्वर पिता आ आपनसबके परभु येसु खिरिस्ट तोरा अनुगरह, किरपा आ सान्ती देबे।
तोरासबके यि थाह दैले चाहैचियौ कि, अपनासबके भाइ तिमोथी जहलसे छुटलछै। यदि उ जल्दिए एतै त हम ओकरासङे ल्याके तोरासबके भेट मुलकात करैले एबौ।