19 तुसब परमेस्वरके आग्यापालन करैचिही कैहके सब बिस्बासी जानैछै, तैल्याके हम एकदम खुस चियौ। महज तुसब असल काममे बुधिमान हो आ जे खराब छै, तैसे अलगे रह से हम चाहैचियौ।
“देख, हम तोरासबके भेंरा जखा नरहियासबके बिचमे पठाइचियौ, तै खातिर तुसब साँप जखा चलाक आ पौरकी जखा सिधा-साधा रह।
आब जो, हम तोरासबके नरहियाके बिचमे भेंराके पठरु जखा लोकसबके बिचमे पठाइचियौ।
सबसे पहिने, तोरासबके लेल येसु खिरिस्ट दुवारा हम आपन परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेकी खिरिस्टमे करल तोरासबके बिस्बासके बारेमे सारा दुनियामे फैललछै।
हे हमर भाइ-भैयासब, तुसब सोच-बिचारमे बचा जखा नै महज परिपक्क लोक जखा बन। खराब बातमे ठिक-बेठिक छुटयाबैले नै सकैबला बचा जखा हो।
तै खातिर मुरुख लोक नै बन महज परभु तोहरसे कोन आसा करनेछौ से जान।
हमर परथना एह्या चियै, कि तुसब परेम आ ठिक-बेठिक छुटयाबैबला बुइधमे झन-झन परसस्त कैरके बैढते जाय,
अहिनङ तुसब पापी आ दुस्ट पुस्ताके बिचमे दाग नै भेल परमेस्वरके बेटा-बेटी जखा निरदोस आ सुध हेब्ही। जनङ तरासब अकासमे चमचम चम्कैछै, तहिनङे तुहुसब यि सन्सारमे ओइसबके बिचमे चम्कैले परतौ।
खिरिस्टके बचनसे तोरासबके हिरदय परसस्त कैरके भरल रहे। आपन पुरे ग्यान-बुइधसे एक दोसरके सिखा आ सल्लाह दैबला काम कर। परमेस्वरके हिरदयसे धन्यबाद दैत भजन, इस्तुति-परसन्सा आ आत्मिक गितसब गाब।