10 खिरिस्टके नजरमे योग्य ठहरल अपेल्लेसके गोरलगी सुन्यादहै। अरिस्तोबुलसके घरमे भेल्हा लोकसबके हमर गोरलगी सुन्यादहै।
जे एहेन किसिमसे खिरिस्टके सेबा करैछै, उ परमेस्वरके खुस करैछै आ लोकसबसे आदर पाबैछै।
हमर सङे-सङे येसु खिरिस्टके काम करैबला सङी पिरिस्किला आ अकिलासके हमर गोरलगी सुन्यादहै।
हमर सङी एनडरोनिकस आ युनियसके हमर गोरलगी सुन्यादहै। परेरितसबके बिचमे ओकरासबके नाम चलल छै आ हमरसे पहिने उसब खिरिस्टके बिस्बास करने छेलै। ओहोसब हमरसङे जहलमे छेलै।
यदि येसुके मरलसे जिबित करैबला परमेस्वरके पबितर आत्मा तोरासबमे बास करैछौ त, येसु खिरिस्टके मरलसे जिबित करैबला वह्या आत्मा तोरासबके नास हैबला देहके सेहो जिबन देतौ।
तोरासबमेसे सत लोकसब चिन्हैके लेल तोरासबमे बेमेल होनाइ जरुरी छै।
हम खिरिस्टमे बिस्बास करल एक गोरे लोकके चिन्हैचियै, जे चौद बरिससे पहिने तेसर स्वरगमे उठ्यालगेलै। उ देहमे या बिना देहमे उठ्यालगेलै, से हम नै जानैचियै, उ परमेस्वर मातरे जानैछै।
तुसब हरेक बिसयमे आग्याकारी चिही कि नै कैहके जाचैके लेल हम उ चिठी तोरासबके लिखने छेलियौ।
अहैलेल यदि कोइ खिरिस्टमे छै त उ लोक लया सिरिस्टी चियै। पुरना जिबन बितके चैलगेलै, देख, आब लया जिबन सुरु भेलछै।
हमसब ओइसबसङे एकटा औरो भाइके पठाबैचियौ। हमसब ओकरा बहुतो बेर जाँचलियै आ काम करैमे एकदमे जोसगर पाबलियै। अखनियो तोरासबपरती ओकर बरका भरोसा छै आ मदत करैले औरो जोसगर भेलछै।
तै बखत तक यहुदिया परदेसमे भेल मन्डलीके भाइ-भैयासब कोइने हमरा देख्ने छेलै।
तोरासबके थाहे छौ, कि तिमोथीके बेबहार असल छै। जनङ बेटा आपन बाबुके साथ दैछै तहिनङे उ हमरसङे सुसमाचार परचारके काममे हमरा साथ देल्कै।
पहिने ओइसबके जाँच हैलेपरतै। यदि ठिक ठहरतै त, उसब डिकन रैहके सेबा करे सक्तै।
पिरिस्किला, अकिलास आ ओनेसिफरसके घर-परिबारके हमर गोरलगी सुन्यादहै।
नास हैबला सोनाके आइगमे खाइरके सुध करल जखा तोरासबके बिस्बास ओहौसे मुल्यबान छौ। अहै खातिर तोरासबके बिस्बास सच ठहरे आ येसु खिरिस्ट परगट हैबला दिनमे परसन्सा, महिमा आ आदरके योग्य बने।