तोरासबसङे रहैतकाल जब हमरा घटि-कमी भेलै, तब हम ककरो बोझ नै बनलियै, कथिलेकी माकेडोनिया परदेससे एल भाइसब हमर घटि-कमी पुरा करल्कै। हम तोरासबके बोझ पैहनियो नै रहलियौ आ पाछुवो नै हेबौ।
यदि माकेडोनियाके कोनो लोक हमरसङे तोरासबलग एतौ आ तोरासबके भेटी दैले तयार भेल नै देख्तौ त हमसब लाजेसे मैर जेबै आ तुहुसब लाजेसे मरबिही कथिलेत हमसब तोरासबमे एकदम भरोसा राखने चियौ।
सुरुमे हम तोरासबके सुसमाचार परचार कैरके माकेडोनिया परदेससे जाइले लागलियै त हमरा सहायता करैबला मन्डली तुहिसब मातरे छेल्ही। यि बात तु फिलिप्पी सबके थाहे छौ।