25 महज अखुन हम परमेस्वरके पबितर जनसबके सहायता करैले यरुसलेम दिसर जाइचियै।
ओइसबसे बिदा लैत पावल कहल्कै, “यदी परमेस्वरके इक्छा हेतै त हम फेनो अहाँ सब लग एबै।” तकरबाद उ एफिसससे पानी जहाद चहैरके चैलगेलै।
तकरबाद पावल पबितर आत्माके अगुवाइमे माकेडोनिया आ अखैया इलाका हैत यरुसलेम जाइके निरनय करल्कै। उ कहल्कै, “ओते पुग्लाकेबाद हमरा रोम सहरमे जाइए परतै।”
एसिया परदेसमे देर हेतै से बिचार कैरके पावल एफिससमे नै जाइके निरनय करल्कै। कथिलेत उ सकभर पेन्तिकोस पाबैनके दिनमे यरुसलेममे पुगैले हतार छेलै।
“आब हम पबितर आत्माके आग्या अनुसार यरुसलेम ज्यारहल चियौ। ओते हमरा कथि-कथी हेतै, से हम नै जानैचियौ।
“बहुत बरिस बितलाकेबाद हम आपन जातीके भाइ-भैयारीसबके दान आ परमेस्वरके भेटी चरहाबैके लेल यरुसलेम एल छेलियै।
महज हननिया कहल्कै, “परभु, यि लोक यरुसलेममे अहाँके चेलासबके बहौत दुख देनेछै से हम बहौत लोकसबसे सुन्नेचियै।
खिरिस्टके पबितर जनसबके खाचोमे मदत कर आ घरमे एल मेजमानसबके सेबा-सत्कार कर।
यदि हमरो जाइले परतै त उसब हमरसङे जाइले सक्तै।
उसब परमेस्वरके सन्तसबके सहायता करैके लेल मौका दिय कैहके हमरासबके बेर-बेर बिन्ती करल्कै।
ओहैसे तितस पहिनेसे तोरासबके बिचमे सुरु करल भेटी उठाइबला काम पुरा करे परतै कैहके हमसब ओकरा बिन्ती करलियै।
उसब गरिबसबके याद कर कैहके मातरे हमरासबके समझाइल्कै आ हम ओहिनङे करैले चाहैछेलियै।
तुसब परमेस्वरके लोकसबके सेबा कैरते परमेस्वर परती आपन परेम देखाइनेचिही आ अखुनो अहिनङ सेबा करैत आइबरहलचिही। परमेस्वर अनियाय नै करैछै। तोरासबके करल यि सेबा आ परेमके उ कहियो नै बिसरतै।