24 ओहैसे हम इस्पेन परदेस जाइबखत बाटेमे तोरासबके भेटैके आसा करनेचियौ आ कुछ समय तोरासबसङे बिताबैके इक्छा करनेचियै। तब हमरा तुसब इस्पेन परदेस जाइले सहायता करबिही से आसा हम करनेचियौ।
एन्टिओखिया मन्डलीके सब बिस्बासीसबके ओतेसे जाइले छुट्टी देल्कै। उसब फोनिके आ सामरिया परदेस हैतगेलै आ ओतेका बिस्बासीसब कनङके गैर-यहुदीसब परभुके बिस्बास करल्कै से बातसब बिस्तारमे सुनाइल्कै। यि बात सुइनके ओतेका बिस्बासीसब बहुते खुसी भेलै।
तकरबाद पावल पबितर आत्माके अगुवाइमे माकेडोनिया आ अखैया इलाका हैत यरुसलेम जाइके निरनय करल्कै। उ कहल्कै, “ओते पुग्लाकेबाद हमरा रोम सहरमे जाइए परतै।”
जब जाइबला समय आइबगेलै तब हमसब बिदा भ्याके आपन रस्तामे अगा बरहलियै। चेलासब आपन घरबाली आ बाल-बच्चाकेसङे हमरासबके अरियातैले नगर बाहरतक एलै। हमसब समुन्दरके पखामे ठेङहुनिया द्याके परथना करलियै।
हमर बिस्बाससे तोरासबके आ तोरासबके बिस्बाससे हमरा उत्साह मिले कैहके हमर इक्छाछै।
तैखातिर यरुसलेमके मन्डलीके लेल पठ्याल रुपैया-पैसा ओइसबके जिम्मा लगेलाके बाद हम इस्पेन परदेस दिसर जाइबखत तोरासबके सेहो बाटेमे भेट करबौ।
हम माकेडोनिया परदेस जाइबेर तोरासबसे भेटघाट करबौ आ माकेडोनियासे घुइमके आबैतो काल तोरासबलग एबौ आ ओतेसे यहुदिया परदेस जाइबेर तुसब हमर लेल बेबस्था मिलाइबिही कैहके हम चाहैछेलियै।
उसब तोहर परेमके बारेमे मन्डलीमे साक्छी देनेछै। तु परमेस्वरके नजरमे मनपरैबला हिसाबसे ओइसबके यातरामे अगा बरहैके लेल मदत करबिही त असल हेतौ।