13 तुसब आसा दैबला परमेस्वरमे बिस्बास करनेचिही। ओह्या तोरासबके आनन्द आ सान्तीसे भैरदेबे। तहिनङे पबितर आत्माके सक्तिसे तोरासबके आसा बैढते जाय।
येसु चेलासबके कहल्कै, “तोरासबके मन बेचैन नै हेबे। तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही आ हमरोमे बिस्बास कर।
“हम सान्ती तोरासबके छोइरदैचियौ, हम आपन सान्ती तोरासबके दैचियौ। सन्सारके देल जखा हम तोरासबके नै देबौ। तोरासबके मन बेचैन नै हेबे आ तुसब नै डरा।
आपन आसामे आनन्द कर, दुख-कस्टमे धिरज कर आ निरन्तर परथना करैतरह।
कथिलेत परमेस्वरके राज खाइ-पियैबला चिज नै, महज पबितर आत्मासे आबैबला धारमिकता, सान्ती आ आनन्द चियै।
उसब परमेस्वरके आत्माके सक्ती, अचमके चेन्हासब आ कामसब दुवारा बिबस करलगेल छेलै। अहिनङे हम यरुसलेमसे इल्लुरिकन परदेसतक पुरे खिरिस्टके सुसमाचारके परचार करने चियै।
सहैबला सक्ति आ हौसला दैबला परमेस्वर तोरासबके येसु खिरिस्टके जिबन जखा जियैले आ एके मनके हैले सक्ति देबे।
हमर सिक्छा आ परचार घत लागैबला बुइधके बरका-बरका बातसब नै बाजलियै, महज पबितर आत्माके सक्तीके सबुत द्याके हम परचार करलियै,
परमेस्वर तोरासबके हरेक परकारके आसिस परसस्त कैरके दैले सक्तौ, ताकि तोरासबसङे सबदिन हरेक चिज परसस्त हेबे आ हरेक असल कामके लेल तुसब परसस्त कैरके दैले सक।
महज पबितर आत्माके फलसब- परेम, आनन्द, सान्ती, धिरज, दया, भलाइ, बिस्वस्तता,
अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।
कथिलेकी जे सुसमाचार हमसब सुनेलियै उ सब्द मातरे नै महज सक्तीके साथ, पबितर आत्माके साथ आ पुरे निस्चयताके साथ एलै। जखन हमसब तोरासबके सङे रहलियै त केहेन चालचलनके जिबन जिलियै से तोरासबके थाहे छौ।
हमरा मुक्ती दैबला परमेस्वर आ आसा दैबला येसु खिरिस्टके आग्या अनुसार नियुक्त भेल हम पावल, येसु खिरिस्टके परेरित यि चिठी
यह्या हमरासबके इक्छाछै कि तोरासबके यि जोस आखिरतक हेबे आ तोरासबके आसा पुरा हेबे।
तुसब ओकरा नै देख्नेचिही तैयो परेम करैचिही। अखैन तुसब नै देखैचिही तैयो ओकरमे बिस्बास करैचिही आ बखाने नै करेसकैबला गौरबमय आनन्दमे तुसब खुसी चिही।