20 खाइबला चिजके कारन परमेस्वरके कामके नास नै कर। सब चिज खाइले हैछै महज औरो लोकके बाधा हैबला हिसाबसे खेनाइ खराब चियै।
कोनो भि चिज मुह भितर ढुकैछै उ चिज लोकके असुध नै करैछै, महज जे बात मुहसे बाहर निकलैछै, ओहे बात लोकके असुध करैछै।”
“अदी कोइ हमरमे बिस्बास करैबला छोटसे छोट बच्चाके पाप करैले लगाबैछै त, ओकर घेंचमे बरका जाँत बाइन्हके समुन्दरमे फेक देनाइ उचित हेतै।
ओहिनङे अबाज फेनो उ दोसर बेर सुनल्कै, “जै चिजके परमेस्वर सुध करने छै ओकरा तु असुध नै कहै।”
कोइ-कोइ बिस्बासी सबचिज खाइले हैछै कैहके बिस्बास करैछै, महज बिस्बासमे कमजोर भेल्हा लोक सागपात मातरे खाइले हैछै कैहके बिस्बास करैछै।
यदि तोहर भाइके तोहर खाइबला मासु, तोहर पियैबला निसा चिज या तोहर करैबला औरो कोनो कामसे समस्या लाबैछैत, तोरा ओइसबके छोरनाइ असल हेतौ।
कथिलेत हमसब असल कामसबके लेल खिरिस्ट येसुमे सिरिस्टी भ्याल ओकर हाथके सिप चियै। ओह्या अनुसार अपनासब चल कैहके उ पहिनेसे तयार करने रहै।
हमरा पुरा बिस्बास छै कि, परमेस्वर तोरासबमे एकटा असल काम सुरु करल्कौ, वह्या येसु खिरिस्ट आबैबला दिनमे उ काम पुरा करतै।
सुध मन भेल लोकसबके लेल सब चिज सुध रहैछै। महज पतित आ अबिस्बासीसबके लेल कोनोभी चिज सुध नै रहैछै, कथिलेकी ओइसबके मन आ सोचबिचार असुध रहैछै।