7 तोरासबके तिरैबला चिज सबके तिरदहै। कर तिरैबलाके कर, महसुल तिरैबलाके महसुल, आदर करैबलाके आदर, इज्जत करैबलाके इज्जत कर।
उ कहल्कै, “हँ, तिरैछै।” तकरबाद पतरुस घर भितर गेलै आ येसु ओकरा पुछल्कै, “हे सिमोन, तु कथी बिचार करैचिही? अइ सन्सारके रजासब ककरसे बटी उठाबैछै? आपने बेटासबसे कि औरो लोकसबसे?”
उसब येसुके कहल्कै, “यि त रोमी सरकारके चियै।” तब येसु कहल्कै, “तैखातिर जे सरकार के चियै से सरकारके दहै आ जे परमेस्वरके चियै से परमेस्वरके दहै।”
तब येसु उसबके कहल्कै, “तै खातिर जे कैसरके चियै से कैसरके दहै आ जे परमेस्वरके चियै से परमेस्वरके दहै।” यि बात सुइनके उसब आस्चरजमे परलै।
आब हमरासबके कहु, हमसब यहुदीके नियम अनुसार रोमी सरकार कैसरके कर तिरबै से उचित छै, कि नै?”
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “तै खातिर जे कैसरके चियौ, से कैसरके दहै आ जे परमेस्वरके चियौ से परमेस्वरके दहै।”
उसब येसुके दोस लगाइत कहल्कै, “यि लोक आपनौरके रास्टके लोकसबके बहक्या रहल हमरासबके भेटलै। यि रोमी सरकारके बटी नै दहै आ उ आपनके हम खिरिस्ट आ रजा कहैछै।”
एक-दोसरके आपने भाइ-भैया जखा परेम कर। अपनासे बेसी दोसरके आदर कर।
ओहैसे तुसब कर तिरैचिही, कथिलेत सासकसब आपन जिम्मेबारी पुरा करैले परमेस्वरके सेबाके काममे लागल रहैछै।
चाहे जे हेबे, तुसब आपन-आपन घरबालीसबके आपने जखा परेम करे परतौ आ घरबालीयोसब आपन-आपन घरबलाके आदर करे परतौ।
हे नोकर-चाकरसब, जनङ खिरिस्टके सेबा करैचिही तैहनङे इमान्दारी साथ तुसब यि सन्सारके मालिकसबके आदर कर आ डर राइखके ओकरासबके कहलहा बात मान।
उसब अङने-अङने चलैबला आदत पैरके कोरनी आ चुगली लगाइबाली हैछै। ओतबे नै उसब नै बाजैबला बातसब बतियाइछै आ दोसरके काममे टाङ अराबैबाली हैछै।
असलसे मन्डलीके देख-भाल करैबला अगुवासबके दोबर आदरके योग्य हैछै आ बिसेस कैरके जे अगुवासब बचन परचार आ सिखाबैबला काममे मेहनत करैछै।
मालिकके अधिनमे रहैबला सब दास आपन मालिकके पुरा आदर करैले परतै, ताकि कोइ नै परमेस्वरके नाम आ अपनासबके देल सिक्छाके बदनाम करे सक्तै।
तहिनङे घरबलासब, आपन-आपन घरबालीसबसङे बिचारसिल भ्याके रह आ ओइसबके अबला माइनके आदर कर। मनमे याद राख कि तोहरे जखा अनन्त जिबनके बरदानमे सहभागी छौ। अनङ करबिही त तोरासबके परथनामे कोनो किसिमके बाधा नै परतौ।