14 महज येसु खिरिस्टके स्वभाबके धारन कर आ पापी स्वभाबके इक्छा पुरा करैबला बातमे धियान नै दहै।
तोरासबमेसे जतहेक गोरे खिरिस्टमे बप्तिस्मा लेनेचिही, तु सबकोइ खिरिस्टके धारन करनेचिही।
महज उसब, जे खिरिस्ट येसुके चियै, उसब आपन पाप स्वभाबके इक्छा आ ललसा कुरूसमे काटी ठोइकके मारनेछै।
लया स्वभाब धारन करैके लेल तुसब परमेस्वरके स्वरुपमे बनल चिही, अहैसे परमेस्वरके इक्छा जखा तोरासबके चालचलन धरमी आ पबितर हेबे।
धरम-करम करैबला, देखाबटी नम्र रहैबला आ बाबाजी जखा जियैबला, यि सब बुधिमान जखा देखापरैछै, महज यि आपन देहके अधलाह इक्छाके बसमे राखैले कोनो कामके नै हैछै।
हे पिरिय भाइसब, यि सन्सारमे तुसब बिदेसी आ परदेसी जखा चिही। हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ, देहके अधलाह इक्छासब पुरा करै दिसन नै लाग। एहेन परकारके इक्छासब तोरासबके आत्माके बिरोधमे उठतौ।