19 हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आपनेसे ककरो बदला नै ले महज परमेस्वरके करोधमे छोइरदहै। कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे परमपरभु एहेन कहैछै, “बदला लैबला काम हमर चियै, हम्ही बदला लेबौ।”
महज हम तोरासबके कहैचियौ, दुस्ट लोकके कुछो नै कर। कोइ तोहर देहना गालमे थपराइतौ त, ओकर सामने दोसरो गाल थैप दहै।
तोरासबके सताबैबलासबके सराप नै महज आसिरबाद दहै।
तुसब ककरो खराबके बदला खराब नै कर। जे चिज सबलोकके नजरमे आदरनिय छै, तैमे धियान दहै।
कथिलेकी सासकसब तोरासबके भलाइ करैके लेल परमेस्वरके सेबकसब चियै। यदि तुसब खराब काम करैचिही त सासकसबके डर मान, कथिलेकी खराब काम करैबलाके दन्ड दैके अधिकार पाबने छै। परमेस्वर खराब काम करैबलासबके दन्ड दैले सासकसबके राखनेछै।
आपन हिरदयमे सैतानके काम करैले नै दहै।
एहैन खराब काम कैरके कोनो लोक आपन बिस्बासी भाइसबसे नाजाएज फाइदा नै उठाबे। कथिलेकी एहेन पाप करैबलासबके परमेस्वर दन्ड दैछै। अइके बारेमे हमसब पहिने तोरासबके एकदमसे चेताइने चियौ।
लोहाके काम करैबला अलेक्जेन्डर हमरा बहौत नै निक करल्कै। ओकर करल कामके फल परभुवे ओकरा देतै।
कथिलेत एहैन कहैबलाके हमसब चिन्हैचियै, “बदला लैबला काम हमर चियै, बदला हम लेबै।” उ फेन कहैछै, “परमपरभु आपन लोकसबके नियाय करतै।”