5 तहिनङे परमेस्वरके अनुगरहसे छानल कतहेक इजराएलीसब अखुन्तो बाकी छै।
सुसमाचारमे बिस्बास नै करलासे इजराएलीसब परमेस्वरके दुस्मन भेलछै। यि त तोरासबके लेल निक बात चियौ। महज परमेस्वर ओइसबके आपनेसे छानलाके कारनसे आ ओइसबके पुरखासबसङे परतिग्या करला कारनसे ओइसबके परेम करैछै।
जौवा बच्चा जलमैसे पहिने आ उसब असल या खराब काम करैसे पहिने परमेस्वर एक गोरा चुनल्कै। अनङ परमेस्वरके चुनैबला काम ओकर काम-काज देखके नै महज आपन उदेस्य अनुसार हैछै से साफ-साफ देखाइछै।
यसैया नामके दोसर अगमबक्ता इजराएलीसबके बारेमे एहेन कहल्कै, “इजराएलीसबके बेटा-बेटीसबके संख्या समुन्दरके बालु जखा बहुत हेतै तैयो बाकी रहल कमे लोकसब मातरे बच्याल जेतै।