30 पहिने तु गैर-यहुदीसब परमेस्वरके आग्यापालन नै करैछेल्ही, महज आब यहुदीसब आग्यापालन नै करला कारनसे परमेस्वरके किरपा तोरासबके भेटल छौ।
कथिलेत परमेस्वर आपनेसे देल बरदान कहियो फिरता नै लैछै आ बोल्यालसबके कहियो नै छोरैछै।
परमेस्वर तोरासबके किरपा करल्कौ। ओहिनङे उहोसब एक दिन किरपा पाबे कैहके अखुन उसब आग्यापालन नै करैछै।
परमेस्वर गैर-यहुदीयोसबके अनुगरह करल्कै ताकी ओहोसब ओकर महिमा करे। जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “अहैसे गैर-यहुदीसबके बिचमे हम अहाँके परसन्सा करबै आ अहाँके नामके इस्तुती गाब्बै।”
आब कुमारीसबके बारेमे हमरसङे परभुके आग्या किछो नै छौ। महज हम परभुके अनुगरहसे एक बिस्बासयोग्य लोक भेलाके कारन तोरासबके यि सल्लाह दैचियौ।
परमेस्वर दयालु भेलाके कारनसे यि सेबाके काम हमरासबके देनेछै। ओहै खातिर हमसब हरेस नै खाइचियै।
तोरासबके जिबन सेहो एक समयमे अहिनङ छेलौ आ अहिनङे बातसबमे चलै छेल्ही।
हमर बेटा तिमोथी, तोहर बारेमे पहिने करल अगमबानी बमौजी हम तोरा यि कहैचियौ कि तु सब बात पालन कर ताकि निडर भ्याके उतम लराइ लरैले सकबिही।
“हमर बिसराम दैबला ठाममे उसब कहियो नै जाइले पाबतै”, कैहके परमेस्वर ककर बारेमे किरिया खेल्कै? कि उ वह्या अटेरीसबके बारेमे नै चियै?
पहिने त तुसब परमेस्वरके जन नै छेल्ही, महज अखुन परमेस्वरके जन भेलचिही। पहिने तुसब परमेस्वरके दया नै पाबनेछेल्ही, महज अखुन तुसब परमेस्वरके दया पाबनेचिही।