22 परमेस्वर कतहेक दयालु आ कठोर छै से दुनुबात बिचार कर। उ बिस्बास नै करैबलासबके लेल कठोर हैछै महज तुसब ओकर अनुगरहमे सरन लेब्ही त उ तोरासबके दया देखाइतौ। नै त तोरासब काइटके फेकल ठाइर जखा हेब्ही।
महज हलगर माटीमे परैबला उसब चियै, जे कोइ परमेस्वरके बचन सुनैछै आ आग्याकारी भ्याके मनेमे राखैछै आ दुख सहियोके बहौतरा फल फराइछै।”
हमरमे रहल सब ठाइर जे फल नै फराइछै, उ ओइसबके काइटदैछै आ फल फराइबला सब ठाइर औरो बेसीसे फराबे कैहके उ ओइसबके काटछाट करैछै।
येसु आपन उपर बिस्बास करैबला यहुदीसबके कहल्कै, “यदि तुसब हमर बचनके पालन करैत रहबिही त, साँचोके तुसब हमर चेला चिही।
बरनाबास ओते एलै आ परमेस्वर ओइसबके मन्डली उपर करल किरपा देखके खुसी भेलै। तुसब पुरा हिरदयसे परभुके बिस्बासमे बरहैत रह कैहके उत्साह देल्कै।
उसब ओइठाम परभुके बिस्बासीसबके हिम्मत बरहाइत ओइसबके बिस्बासमे अस्थिर रहैले हौसला दैत रहलै आ कहैत रहलै, “परमेस्वरके राजमे पुगैसे पैहने अपनासबके बहौत दुख सहे परत।”
परमेस्वर असल ठाइर, इजराएलीसबके बाकी नै राखल्कौ त, कि तोरासबके छोरतौ?
जे लोकसब निरन्तर भलाइके काम कैरके आदर, इज्जत आ अनन्त जिबनके खोजी करैछै, ओइसबके परमेस्वर अनन्त जिबन देतै।
हमर परचार करल उ सुसमाचारमे बिस्बास करैले नै छोरबिही त तुसब उदार पाबबिही, नै त तोरासबके करल बिस्बास बेरथ हेतौ।
भलाइ करैले नै थाक, कथिलेत अइमे लागल रहबिही त, ठिक समयमे तकर कटनी करबिही,
ओहैसे जब हमरा नै रहल गेलै त, तुसब बिस्बासमे बलगर चिही कि नै बुझ्हैके लेल तिमोथिके तोरासबलग पठेलियौ। पापमे फसाइबला सैतान कहि तोरासबके फसाके हमरासबके करल मेहनत बेकार कैरदेल्कै कि कथी कैहके हम घबरागेलियै।
कथिलेकी तुसब परभुमे अस्थीर चिही कैहके जब हमसब सुनलियै त हमसब नया जिबन पाबल जखा लागल।
अपनासबके करल आसामे अस्थिर भ्याके कैसके पकैरके राख, कथिलेकी जे परतिग्या करने छै, उ बिस्बास योग्यछै।
यदि अपनासब खिरिस्टमे करल सुरुके भरोसाके अन्ततक जोगाके राखबै त, अपनोसब खिरिस्टसङे साझा हकदार हेबै।
महज खिरिस्ट त घरके अधिकार पाबल बिस्बासयोग्य बेटा भ्याके सेबा करल्कै। यदि हमसब आपन आसामे अन्तिमतक भरोसा आ गर्भ कैरते रहबै त अपनोसब परमेस्वरके घरके सदस हेबै।
उसब अपनासबके लोक नै रहै, तहै खातिर अपनासबके छोइरके चैलगेलै। यदि उसब अपनासबके लोकसब रहतियै त आपनेसबके सङे रहतियै। उसब अपनासबके नै चियौ से बात परस्टे छै से देखाइले उसब अपनासबके छोइरके चैलगेलै।
अहैलेल तु कतहेक गिरल चिही, से याद कर। पस्चाताप कर आ पहिनेके करल जखा परेम कर। यदि तुसब पस्चाताप नै करबिही त, हम आइबके तोरासबके डैठ उ जगहसे हटादेबौ।