18 तैल्याके तुसब काइटके फेकल ठाइर जखा इजराएलीसे असल चियै कैहके घमन्ड नै कर। यदि घमन्ड करैचिही त, यि बात याद राख, तुसब जैरके नै महज जैर तोरासबके थाइमके राखनेछौ।
ओतबेहेकमे पतरुस येसुके कहल्कै, “सबकोइ अहाँके छोइर देत महज हम कहियो नै छोरब।”
हमर औरो भेंरासब छै जे अइ जेरके नै चियै। हमरा ओकरोसबके अइ जेरमे लाबैके जरुरी छै। उसब हमर बोली सुन्तै आ सब एके जेरमे हेतै आ उसबके एकेटा चरबाह हेतै।
तु सामरी लोकसब ओकर आराधना करैचिही जकरा जान्बो नै करैचिही। हमसब जाइनके परमेस्वरके आराधना करैचियै, कथिलेत लोकके उदार यहुदी खानदानसे आबैछै।
जब पावल ओते एलै तब यरुसलेमसे एल्हा यहुदीसब ओकर अगल-बगल खरा भ्याके गम्भीर किसिमके दोस लगाबे लाग्लै महज उसब कोनो दोसके परमान दैले नै सकल्कै।
यि बात सत चियै कि, इजराएलीसब बिस्बास नै करलासे ठाइर जखा काइटके फेकल रहै। तुसब बिस्बास करलासे कलमी बान्हल गेलचिही। ओहैसे घमन्ड नै कर बरु परमेस्वरके डर मान।
ओहेन छै त कथिके लेल घमन्ड करबै? घमन्ड करैबला बाते नै चियै। बेबस्था पालन कैरके लोक धरमी नै हैछै, महज खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मातरे धरमी हैछै।
ओहैसे परमेस्वरके परतिग्या बिस्बास दुवारा पाबैबलाके यि ओकर अनुगरहमे भर परैछै। यि परतिग्या बेबस्था पालन करैबला अबराहमके सन्तानसबके लेल मातरे नै महज अबराहम जखा बिस्बास कैरके जियैबलासबके लेल चियै, कथिलेत अबराहम सबके पुरखा चियै।
तैखातिर जे अपनाके ठार भेलचियै कहैछै, उ होसियार रहे, नै त उ खैसपरतै।
यदि तुसब खिरिस्टके चिही त अबराहमोके सन्तान चिही आ परमेस्वरके परतिग्या बमोजिम हकबला सेहो चिही।