4 कथिलेत येसु खिरिस्ट बेबस्थाके पुरा करल्कै। आब जेसब ओकरमे बिस्बास करतै, उसब परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरतै।
तब येसु युहन्नाके कहल्कै, “अखुन अहिनङे हेबे दियौ। कथिलेत अपनासबके खातिर एह्या उचित छै जे अहिनङे सब धारमिकताके पुरा करे परतै।” तब युहन्ना ओकर बात मानैले राजी भेलै।
कथिलेत बेबस्था मोसासे एलै, महज अनुगरह आ सत्यता येसु खिरिस्टसे एलै।
अहिनङ कैरके, येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबला सबके परमेस्वर धरमी ठहराइनेछै, कथिलेत उ ककरो भेदभाव नै करैछै।
परमेस्वरके कारन तुसब खिरिस्ट येसुमे चिही, परमेस्वर खिरिस्ट येसुके अपनासबके लेल बुधि, धरमी, पबितर आ पापसे छुटकरा दैबला बनाइल्कै।
तैल्याके बिस्बाससे हमसब धरमी ठहरैले सकि कैहके खिरिस्ट आबैसे पहिने बेबस्था अपनासबके खिरिस्टतक पुगाइबला गारजन भेलै।
बेबस्थाके अधिनमे रहैबलासबके दाम तिरके छुटकरा दैले उ पठ्याल गेलै ताकि हमसब बेटाके पुरा हक पाबैले सकी।
खिरिस्टमे तोरासबके जिबन पुरा भेलछौ। वह्या सब सासन आ अधिकारके सिर चियै।
यि सब पछा आबैबला बातसबके छाह मातरे छेलै महज बास्तबिक बात त खिरिस्टे चियै।
कथिलेत एकेटा बलिदानसे पापसे पबितर करल लोकसबके उ सबदिनके लेल सिध करने छै।