11 कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “ओकरमे बिस्बास करैबला कहियो लाजमे नै परतै।”
कथिलेत लोक आपन हिरदयसे बिस्बास कैरके परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैछै आ बिस्बास करल बात आपन मुहसे सुइकार कैरके उधार पाबैछै।
खिरिस्टके बारेमे परमेस्वरके कहल बात पबितर धरमसास्तरमे अनङ लिखल छै, “देख, हम सियोनमे एकटा ठेस लागैबला पथल राखने चियै आ जैमे बहुतो लोक ठेसके खैसपरतै, महज ओकरमे बिस्बास करैबलासब लाजमे नै परतै।”
कथिलेकी पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “देख! सियोनमे हम चुनल एकटा बहौत मोलके कोनाके पथल राखैचियौ। ओकरमे बिस्बास करैबला कहियो नै लाजमे परतै।”