1 हे हमर भाइ-भैयासब, इजराएलीसब मुक्ती पाबे कैहके हमर भितरी चाहना छै। तैल्याके हम अकरासबके लेल परमेस्वरसे परथना करैचियै।
“ए यरुसलेमके लोकसब! तुसब अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वरके दुतसबके पथल बरसाचिही! जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे घोसाइरके राखैछै, तहिना कतेक बेर हम तोहर लोकसबके भेला करैले चाहलियौ, महज तुसब नै मानलिही।
हमरा कोनो लोकके गबाहीके जरुरी नै छै, महज हम यि बात अहै खातिर कहैचियौ कि तोरासबके उदार हेबे।
उसब परमेस्वरके भितरी हिरदयसे जोसके साथ सेबा करैले चाहैछै, से बात हम कहैचियौ। महज कनङके सेबा करतै से बात उसब जान्बे नै करैछै।
खिरिस्टके बारेमे परमेस्वरके कहल बात पबितर धरमसास्तरमे अनङ लिखल छै, “देख, हम सियोनमे एकटा ठेस लागैबला पथल राखने चियै आ जैमे बहुतो लोक ठेसके खैसपरतै, महज ओकरमे बिस्बास करैबलासब लाजमे नै परतै।”